सप्तरीक पातोसँ ३९६ किलो गाँजा बरामद


राजविराज (सप्तरी), २३ साओनः सप्तरी जिलाक डाक्नेश्वरी नगरपालिका–५ पातो स्थित महादेवा टोलसँ भारी परिमाणमे लागुऔषध गाँजा बरामद कएल गेल अइछ ।

जिला प्रहरी कार्यालयक प्रवक्ता एवम् प्रहरी नायव उपरीक्षक जीतेन्द्र कुमार बस्नेतक अनुसार, नहरके कातमे रहल धान खेत तथा बाँसक झाड़ीमे बेवारिस अवस्थामे राखल ३९६ किलो गाँजा बरामद कएल गेल अइछ ।

नेपाल प्रहरी आ सशस्त्र प्रहरी बलक संयुक्त गस्ती समूह १७ टा बोरामे राखल गाँजा बरामद कएने अइछ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय