राससक वार्षिक समीक्षा बैसार


काठमाण्डू, २३ साओनः राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस) आर्थिक वर्ष २०८१/८२ क वार्षिक समीक्षा कएने अइछ । रासस केन्द्रीय कार्यालय भद्रकालीमे आयोजित ‘वार्षिक प्रगति समीक्षा तथा कर्मचारी बैसार’मे राससक वार्षिक प्रगति विवरण आ अगिला रणनीति बारे समीक्षा कएल गेल छल।

रासस पछिला आर्थिक वर्ष २०८०/८१ क तुलनामे बितल आवमे १३ दशमलव ६१ प्रतिशतसँ आन्तरिक आम्दानी वृद्धि कएने अइछ । पछिला आवमे तीन करोड़ ८३ लाख आम्दानी भेल राससके बितल आवमे चाइर करोड़ ४१ लाख आम्दानी भेल अइछ ।

ओइ अवसरमे राससक कार्यकारी अध्यक्ष धर्मेन्द्र झा पछिला समय आम सञ्चारमाध्यमक बीचमे सेवा प्रवाहमे रासस धीरे-धीरे ‘भाइब्रेन्ट’ बनैत गेल बतौलैन। ओ समीक्षा बैसारमे आएल सुझावकेँ रासस व्यवस्थापन मन्त्रालयसँ समन्वय क क्रमशः कार्यान्वयनमे ल जाएब से विश्वास व्यक्त केलैन ।

कार्यकारी अध्यक्ष झा राससके सेवाकेँ सामाजिक सञ्जाल पोडकास्ट, युट्युबमे लए जेबाक अपरिहार्य भेलासँ ओकर नीति बनेबाक कोशिश भ रहल तथा रासस युट्युब आ पोडकास्टमे जेबाक लेल पूर्वाधार निर्माणमे सेहो सक्रिय रहल बतौलैन।

राससक सञ्चालक समिति सदस्य सेहो रहल सञ्चार तथा सूचना प्रविधि मन्त्रालयक उपसचिव रवीन्द्रप्रसाद पौड्याल राससक सेवाकेँ चुस्त आ प्रभावकारी बनेबाक लेल समन्वयकारी भूमिका निर्वाह करबाक बात कहलैन ।

सञ्चार तथा सूचना प्रविधि मन्त्रालय, संस्थान समन्वय शाखाक प्रमुख निर्मला थापा संस्थागत सुधारक लेल सङ्गठन व्यवस्थापन संरचना (ओएनएम) बना क समय, प्रविधि आ आवश्यकता अनुसार राससकेँ प्रभावकारी बनाएल जेबाक चाही से कहलैन ।

ओइ अवसरमे राससक नायब महाप्रबन्धक सोमनाथ लामिछाने वार्षिक प्रगति विवरण प्रस्तुत केलैन । राससक प्रधान सम्पादक उत्तम सिल्वाल आ प्रमुख समाचारदाता नारायणप्रसाद न्यौपाने सीमित स्रोतसाधन आ जनशक्ति बीच राससक समाचार सेवाकेँ शीघ्र आ प्रभावकारी बनेबाक लेल निरन्तर प्रयास भ रहल उल्लेख केलैन ।

राससकेँ विश्वक अन्य प्रतिष्ठित देशक आधिकारिक समाचार एजेन्सी सरह स्थापित आ गुणस्तरीय बनेबाक लेल पर्याप्त काज करबाक चुनौती रहल अइछ । रासस ऐनक निर्माण करबाक लेल मस्यौदा मन्त्रालयमे पेश भ चुकल तथा रासस विनियमावली, (नवम संशोधन, २०७९) मस्यौदा संशोधनक लेल मन्त्रालयमे बातचित भ रहल जनौने अइछ । सङे राससमे तस्बिर, अडियो, श्रव्यदृश्य, मातृभाषा, सेवा सञ्चालन भेलाक बादो पुरान दरबन्दी कायम रहलासँ समय अनुसार ‘ओएनएम’ क आवश्यक जनशक्तिके व्यवस्था करबाक आवश्यक रहल वार्षिक प्रतिवेदनमे उल्लेख अइछ ।

राससमे कर्मचारीक दरबन्दी संरचनाक ओएनएम करए पड़त, रासस सेवा फोटो, अडियो आ भिडियो सञ्चालनमे प्रविधि तथा दक्ष जनशक्तिक अभाव, समाचार सामग्री सम्प्रेषणमे समाचारक गुणस्तरीयता अभिवृद्धि करबाक लेल स्रोत आ साधनक अभाव, मर्मतसम्भार आ संरक्षण, राससक स्वामित्वमे रहल पोखरा, वीरगञ्ज आ काँकडभिट्टामे भौतिक सम्पत्तिक व्यावसायिक उपयोगमे अनबाक चाही, राससक समाचार सामग्रीक अनधिकृत प्रयोग बढ़ल मुदा प्रतिलिपि अधिकार बमोजिम कारबाही नै क सकल गेल सहित विषयसभ उठाएल गेल छल ।

आर्थिक वर्ष २०८१/८२मे रासससँ नेपाली समाचार ३२ हजार २०२ सम्प्रेषित भेल अइछ । नेपाली लेख एक हजार १३९, नेपाल भाषाक समाचार तीन हजार ७३९, मैथिली भाषाक समाचार तीन हजार १२३ तथा अवधि भाषाक समाचार तीन हजार ७०६ सम्प्रेषित भेल अइछ । अइ तरहेँ, अङ्ग्रेजीमे १० हजार ४७५, अन्तर्राष्ट्रीय समाचार नेपालीमे अनुवाद पाँच हजार ५९१, अन्तर्राष्ट्रीय समाचार अङ्ग्रेजी १८ हजार ९३७, राष्ट्रिय तस्बिर २७ हजार ८१८, अन्तर्राष्ट्रीय तस्बिर ८१ हजार ९३५, अडियो एक हजार ३११ आ श्रव्यदृश्य क्लिप नौ हजार १२१ सम्प्रेषण भेल ओइ अवसरमे जानकारी देल गेल छल। रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय