जनकपुरधाम, २४ साओनः लम्पी स्किन रोगक संक्रमणसँ मधेश प्रदेशमे एक हजार सात सओ पशु मरल अइछ। प्रदेश सरकार, भूमि व्यवस्था तथा सहकारी मन्त्रालयक अनुसार लम्पीस्किनसँ ५२ हजार ६८६ पशु संक्रमित भेल अइछ आ ओइमे २३ हजार ७०९ टा पशु इलाजसँ नीक भ गेल अइछ।
लम्पीस्किन रोग लगलापर पशुकेँ सुरूमे बोखार अबैत छै, शरीरमे घाह, फोका होइ छै तथा घास आ पाइन नै पिबाक लक्षण देखल जाइत अइछ। रोगी पशुकेँ खोप लगेबाक अभियान सेहो सुरू कएल गेल ई मन्त्रालयक कहब अइछ। अभियानक अन्तर्गत अखनधैर प्रदेशभैरक दू लाख ४५ हजार पशुकेँ खोप लगाएल गेल अइछ। मन्त्रालयक अनुसार दू लाख ३१ हजार ५१५ पशुकेँ विज्ञकेन्द्र मार्फत खोप देल गेल अइछ। जाहिमे स्थानीय तह मार्फत धनुषामे ५६६, सर्लाहीमे १७५ तथा रौतहटमे तीन हजार ७०० पशुकेँ खोप लगाएल गेल अइछ। रासस





