सिरहा, २६ साओन : सिरहा आ धनुषा जिलाकेँ जोड़ैबला कमला नदीक पक्की पुल १४ सालसँ अधुरे अइछ । वि.सं. २०६८ मे तीन सालमे सम्पन्न करबाक लक्ष्यसँ सुरू भेल चाइर सओ ६९ मिटर लम्बा पुल अखनधैर निर्माण सम्पन्न नै भेलासँ स्थानीय लोकसभ हरेक साल समस्या भोगए लेल बाध्य छैथ । पुल नै बनलासँ स्थानीय लोकसभ अस्थायी रूपसँ बनाएल गेल बाँस वा काठक पुलसँ जोखिमपूर्ण यात्रा क रहल अइछ । इएह साओनक तेसर हप्तामे आएल बाइढ़मे बाँसक अस्थायी पुल बहेलाक बाद आवतजावत बन्द भ गेल छल । अखन फेरसँ काठके संरचना बनाक आवतजावत लेल किछु सहज बनाएल गेल छै, मुदा जोखिम अखनो ओहिने छै ।
सिरहा – ६ क प्रवीण यादव कहैत छैथ, “पुल नै बनलासँ हमरासभ सालोसँ समस्या भोगैत आइब रहल छी । अखन बनाएल गेल काठक संरचना जोखिमपूर्ण छै, मुदा ओइ बाटसँ हमसभ चलै लेल बाध्य छी । मोटरसाइकल सहित यात्रा करैत काल आओर डर लागैत छै, मुदा कोनो विकल्पो नै छै । ओइमे सेहो यात्रीसभसँ मनमानी शुल्क असुलल जाइछै ।” नगरपालिका निःशुल्क सञ्चालनके दाबी कएलाक बादो ५० टका दैत छी से हुनकर कहब अइछ ।
ओ कहलैन, “पहिने ठिक्का सम्झौता अनुसार २० टका लेल जाइत छलै, अखन ओहो हटलाक बादो व्यवहारमे शुल्क आओर बढ़ल छै । जनतापर दोब्बर भीर पड़ल छै, एकदिस जोखिमपूर्ण यात्रा, दोसरदिस अनियमित शुल्क असुली ।”
पुल निर्माणक जिमा पहिने पप्पु–लुम्बिनी जेभीकेँ देल गेल छल । पप्पु कन्स्ट्रक्सन ब्लाकलिस्टमे पड़लाक बाद बाँकी काज लुम्बिनी बिल्डर्स करैत आइब रहल अइछ । मुदा बाइढ़सँ दू टा पाया धँसला बाद आवश्यक मर्मतक लेल आठ करोड़के बीमा नगद नै भेटलाक कारण देखाबैत कम्पनी पछिला एक महिनासँ काज रोइक देने अइछ ।
हुलाकी राजमार्ग निर्देशनालय योजना कार्यालय जनकपुरक सूचना अधिकारी इञ्जीनीयर रञ्जित कुमार रायक अनुसार, निर्माण कम्पनी तोकल गेल अवधिमे काज रोकलाक कारण ठिक्का तोइड़ क लुम्बिनी बिल्डर्सकेँ सेहो ब्लाकलिस्टमे राखबाक प्रक्रिया आगाँ बढ़ाएल गेल अइछ । सिरहा—६ क वाडध्यक्ष इन्द्रजित यादवक अनुसार, पुल नै भेलासँ बाइढ़के बाद पैदलयात्रीसभ बाँसक सीढ़ी चइढ़ क वा नाहपर नदी पार क रहल अइछ । कमला नदीपर पुल अधुरे रहलासँ हरेक सालक वर्षा समय स्थानीय लोकसभक लेल चुनौती बनल अइछ । रासस






