काठमाण्डू, २ भादब: अइ बेर धान उत्पादन घटबाक अनुमान कएल गेल अइछ । कृषि विभाग अनुसार देशभैर अखनधैर ९४.१५ प्रतिशत रोपनी सम्पन्न भेल अइछ ।
विभागक अनुसार सुदूरपश्चिम प्रदेशमे सबसँ बेसी ९९.७२ रोपनी भेल छै । मनसुन देरीसँ सक्रिय भेलाक कारणेँ मधेश प्रदेशमे सबसँ कम ८६.३५ प्रतिशत रोपनी सम्पन्न भेल विभागक महानिर्देशक प्रकाश सञ्जेल जानकारी देलैन ।
अखनधैर कर्णाली प्रदेशमे ९९.३४ प्रतिशत, लुम्बिनी प्रदेशमे ९८.०७ प्रतिशत रोपनी भेल अइछ तँ बागमती प्रदेशमे ९७.२७ प्रतिशत, गण्डकी प्रदेशमे ९४.८३ प्रतिशत आ कोशी प्रदेशमे ९४.४२ प्रतिशत रोपनी भेल अइछ ।
देशभैर करिब १३ लाख हेक्टर जमिनमे रोपनी सम्पन्न भेल अइछ । देशभैर करिब १४ लाख हेक्टर जमिन खेती करए लेल योग्य रहल कृषि तथा पशुपन्क्षी विकास मन्त्रालय जनौने अइछ । भादब दोसर हप्ताधैर आओर किछ प्रतिशत रोपनी वृद्धि हेबाक अनुमान कएल गेल अइछ ।
धान उत्पादन तथा क्षेत्रफलके हिसाबसँ तराई सबसँ उत्तम मानल जाइत अइछ । तराईमे जमा उत्पादनके ७० प्रतिशत आ पहाडी क्षेत्रमे ३० प्रतिशत उत्पादन होइत आएल अइछ ।
आर्थिक वर्ष २०८०/८१ मे ५७ लाख २४ हजार दू सओ ३४ मेट्रिकटन धान उत्पादन भेल छल । अइ साल अनुमानित ६० लाख मेट्रिकटन धानसँ करिब ३५ लाख मेट्रिकटन चाओर उत्पादन हेबाक जनाओल गेल अइछ । रासस





