जनकपुर बार आ पत्रकार महासङ्घ मधेश प्रदेशबीचके वार्तेसँ समस्या समाधान करबाक आह्वान


काठमाण्डू, २ भादब: नेपाल बार एसोसिएसन जनकपुर बार आ पत्रकार महासङ्घ मधेश प्रदेश समितिक बीचके वार्तासँ समस्या समाधान करए लेल आह्वान केलक अइछ ।

बारके महासचिव केदार प्रसाद कोइराला आइ विज्ञप्ति जारी क वार्ताके माध्यमसँ समस्या समाधान करए लेल आह्वान कएने अइछ। नेपाल बार वार्ता प्रक्रियाकेँ बाधा पहुँचेबाक कोनो क्रियाकलाप नै करए लेल दुनु पक्षकेँ आग्रह केलक अइछ ।

विज्ञप्तिमे कहल गेल अइछ, “विवाद समाधान करए लेल वार्ता समिति गठन करबाक भद्र सहमति अनुसार वार्ता समिति गठन भ क स्थलगत तहमे कार्य भ रहल छै, तँए वार्ता प्रक्रियाकेँ परिणाममुखी बनेबाक लेल सरोकारवाला सबकेँ आह्वान करैत छी ।”

सार्वजनिक आ पेसागत क्षेत्रेमे महत्त्वपूर्ण भूमिकामे रहल ई दुनु संस्थाक बीचमे संवाद आ सहकार्यके आवश्यकताकेँ देखैत दुनु संस्थाक केन्द्रीय कार्यसमितिक पदाधिकारी बितल साओन २९ गते बातचित कएल गेल बार जनौलक अइछ । रासस

ताजा खबर
धेरै पढिएको