टप एन्ड टी–ट्वान्टी श्रृङ्खलामे नेपालके दोसर जीत


काठमाण्डू, ४ भादबः अस्ट्रेलियामे भ रहल टप एन्ड ट्वान्टी–२० शृङ्खलामे नेपाल लगातार दोसर जित हासिल कएने अइछ । अपन पाँचम खेलमे नेपाल मेलवर्न रेनेगेड्सकेँ ३३ रनसँ पराजित केलक अइछ ।

अस्ट्रेलियाके काजालिस एरिना पालमेर्स्टन एरेना रङ्गशालामे टस जीत क पहिने ब्याटिङ कएने नेपाल निर्धारित २० ओभरमे ९ विकेटके क्षतिमे १३९ रन तैयार कएने छल । मेलवर्न रेनेगेड्स निर्धारित २० ओभर खेलैत सबटा विकेटके गिराबैत १०६ रन मात्रे बना सकल ।

नेपालक लेल सोमपाल कामी सबसँ बेसी ५, कुशल भुर्तेल २, साहब आलम आ रुपेश सिंह एक एक विकेट लेने छल ।

नेपालके लेल कुशल मल्ल सर्वाधिक २९ रनके योगदान देलक तँ दिपेन्द्र सिंह ऐरी २७ रन तैयार कएने छल । लोकेश बम २४ रन, भिम सार्की १७, आरिफ शेख १२ रनके योगदान देने छल तँ रुपेश सिंह अविजित १६ रन बनेलक ।

नेपाल शुक्रदिन पाकिस्तान शाहिन्ससङे खेलाएत । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय