काठमाण्डू, ५ भादबः प्रतिनिधि सभाके आजुक बैसारमे सांसदसभ मलखादके अभाव भेलासँ कृषकमे निराशा बइढ़ रहल कहैत दीर्घकालीन रूपमे मलखादके समस्या समाधान करेबाक माँग कएने छैथ । बैसारके शून्य समयमे सांसदसभ कृषकके लेल मलखाद आ सिँचाइ सुविधा तत्काल उपलब्ध करेबाक माँग केलैन ।
सांसद अमरबहादुर रायमाझि कहलैन, “नेपालक करिब ६२ प्रतिशत जनसङ्ख्या आ ६३ प्रतिशत परिवार कृषिमे निर्भर छै, कृषि देशके मेरुदण्ड छै तँ रासायनिक मलखाद उत्पादनकेँ सुदृढ करैबला तत्व छियै । मलखादके अभावसँ उत्पादन कम हेबाक, श्रम निष्कृय हेबाक कारणेँ देशके असर करत, तँए सरकारके मलखादक माँगकेँ मध्यनगर करैत आवश्यक नीतिगत व्यवस्था क दीर्घकालीन रूपमे आपूर्ति करबाक व्यवस्था करए पड़त ।”
सांसद अमरा देवी सरकार मधेशकेँ सुक्खा क्षेत्रक रूपमे घोषणा भेल कहैत मधेशक कृषकके लेल मलखाद आ सिँचाइके व्यवस्था करबाक लेल ध्यानाकर्षण करौलैन ।
सांसद अमृतादेवी अग्रहरी ट्राफिक प्रहरी जनताके अनावश्यक दुःख देबाक काज कएने कहैत गृह मन्त्रालयके ध्यानाकर्षण करौलैन ।
सांसद अर्जुननर सिंह केसी पोखरा अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थल निर्माणमे भ्रष्टाचार भेल सार्वजनिक लेखा समितिक प्रतिवेदन कार्यान्वयन करेबाक माँग केलैन ।
तहिना सांसद आस्मा कुमारी चौधरी भूमिहीन तथा सुकुम्वासीके समस्या समाधान करेबाक माँग केलैन । रासस






