‘सुख्खाके समाधान करए लेल काज सुरू भ चुकल छै’


काठमाण्डू, ५ भादबः ऊर्जा, जलस्रोत तथा सिँचाइमन्त्री दीपक खड्का आ  जलस्रोत तथा सिँचाइ विभागक महानिर्देशक इञ्जिनियर मित्र बराल मधेश प्रदेशक विद्युत् आ सिँचाइ सेवाक अवस्था  बारेमे जनकपुरमे जानकारी लेलक अइछ ।

नेपाल विद्युत् प्राधिकरण, प्रादेशिक कार्यालय जनकपुरधाममे आइ आयोजित कार्यक्रममे हुनकासभ मधेश प्रदेशक विद्युत् आ सिँचाइ क्षेत्रमे तत्काल आओर सुधार करए लेल सेहो कर्मचारीकेँ निर्देशन देलैन ।

उक्त अवसरमे मन्त्री खड्का मधेश प्रदेशमे विद्युत् चुहावट अन्य प्रदेशक तुलनामे उच्च भेलासँ एकरा तत्काल समाधान करए पड़त कहलैन । ओ कहलैथ,“ अइ प्रदेशमे विभिन्न स्थानमे अखनो बेर–बेर बिजुली कटौती होइछै ।  २४ घण्टा विद्युत् आपूर्ति सुनिश्चितता होबाक चाही । विद्युत् आ सिँचाइ क्षेत्रमे सुधार आवश्यक अइछ । एहन काजकेँ प्रोत्साहित करैत, जनताके जीवनस्तर उकास्न हमरासभ प्रतिबद्ध छी ।”

उक्त अवसरमे जलस्रोत तथा सिँचाइ विभागक महानिर्देशक इञ्जिनियर  बराल तराईमे सुक्खाके समस्याकेँ सम्बोधन कएल जेबाक भेलासँ अइमे विभाग उच्च प्राथमिता देने जानकारी देलैन अइछ ।  कार्यक्रममे नेपाल विद्युत् प्राधिकरण सञ्चालक समितिक सदस्य श्यामकिशोर यादव, विद्युत् प्राधिकरण प्रादेशिक कार्यालय जनकपुरक प्रमुख मनोज यादव सहित विभिन्न व्यक्तिसभ उपस्थित छलैथ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय