काठमाण्डू, १० भादबः गृह मन्त्रालय मातहत गठित कार्यदलद्वारा प्रस्तुत सङ्गठन तथा व्यवस्थापन सर्वेक्षण प्रतिवेदनमे उल्लेख भेल अनुसार २३ टा इलाका प्रशासन कार्यालय बढ़ेबाक प्रस्ताव मन्त्रिपरिषद् बैसारसँ प्रशासन समितिमे पठाएल गेल अइछ ।
प्रशासन समिति मन्त्रिपरिषद्सँ पठाओल गेल प्रस्तावमे आवश्यक विचारविमर्श क कार्यावंयनक लेल आगु बढ़ेबाक बात गृह मन्त्रालय जनौने अइछ । सेवाग्राहीके परेशानी होइत छै, ओकरा समाधान करबाक उद्देश्यसहित उक्त प्रस्ताव कएल गेल छै ।
आन्तरिक स्रोत व्यवस्थापन क तराईसँ उच्च हिमाली क्षेत्रधैर इलाका प्रशासन कार्यालय बढ़ेबाक लेल मन्त्री लेखक जोड़ देलैन । गृह मन्त्रालय तथा मातहतके निकायसभक सङ्गठन संरचना, दरबन्दीमे परिवर्तन आ नयाँ इलाका प्रशासन कार्यालय स्थापना करबाक विषयमे मन्त्रालय बितल सालके पुषमे सचिवस्तरके निर्णय कएल गेल छल । ‘सङ्गठन तथा व्यवस्थापन सर्वेक्षण प्रतिवेदन’ पेस करबाक लेल गृह मन्त्रालय, प्रशासन महाशाखा प्रमुखके संयोजकत्वमे एकटा कार्यदल गठन कएने रहए ।
सेवा प्रवाहकेँ आओर सहज आ सरल बनेबाक लेल जनसङ्ख्या, भौगोलिक सुगमता आ पहुँच बीच देखाएल असमानता समाधानमे गृहमन्त्री लेखक जोड़ दैत आएल छैथ । रासस





