काठमाण्डू, १२ भादबः नेपाली राष्ट्रिय क्रिकेट टिम अपन पहिल अभ्यास खेलमे साउथ अष्ट्रेलियासँ पराजित भेल अइछ । अष्ट्रेलियामे आइ भेल खेलमे नेपाल साउथ अष्ट्रेलियासँ तीन विकेटसँ हारल अइछ ।
नेपाल देने एक सय ४७ रनके लक्ष्यसहित मैदान उतरल साउथ अष्ट्रेलिया निर्धारित २० ओभरमे सात विकेटके क्षतिपर जीत हासिल केलक अइछ । साउथ अष्ट्रेलियाके लेल विन्टर सर्वाधिक ३६ रनक योगदान देलैन । तहिना होगेनबोइजिम २८, कप्तान हार्वे २७, ड्रियु २४ आ मनेन्टी २२ रन बनौलैन ।
नेपालक लेल सोमपाल कामी तीन विकेट, नन्दन यादव दू आ कप्तान रोहित कुमार पौडेल एक विकेट लेलैन । टस हाइर क पहिने ब्याटिङ कएने नेपाल निर्धारित २० ओभर खेलैत ९ विकेटके नोक्सानीमे एक सओ ४६ रन बनौने छल ।
नेपालक लेल भीम सार्की सर्वाधिक ३२ रन, दीपेन्द्र सिंह ऐरी २६, आसिफ शेख २२, आरिफ शेख २१ आ सोमपाल कामी अविजित १८ रन बनौनै छल । साउथ अष्ट्रेलियाके लेल थोम्पसन, ब्राउन आ मनेन्टी समान दू/दू विकेट, म्याकफाडेन आ मेन्जिस समान एक/एक विकेट लेने छल । रासस





