थियानजिन (चीन), १५ भादबः प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली आ भियतनामके प्रधानमन्त्री फाम मिन चिङ बीच चीनके थियानजिनमे दू पक्षीय भेटवार्ता भेल अइछ ।
शाङ्घाई सहयोग सङ्गठन (एससिओ)शिखर सम्मेलनमे सहभागी होबाक सिलसिलामे अइ ठाम रहल दूनु प्रधानमन्त्री बीच आइ भेटवार्ता भेल अइछ । भेटके अवसरमे दू देश बीचके सांस्कृतिक, कूटनीतिक आर्थिक सम्बन्ध आ सहकार्यके विविध पक्षमे विचारविमर्श भेल परराष्ट्र मन्त्रालय जनौने अइछ ।
उपराष्ट्रपति भो थि आन सुआनके किछ दिन पहिने भेल नेपाल भ्रमणके स्मरण करैत प्रधानमन्त्री ओलीकेँ भियतनाम भ्रमणके लेल प्रधानमन्त्री चिङ आमन्त्रण देने बताओल गेल अइछ । प्रधानमन्त्री ओली, भियतनामके स्वतन्त्रताक लडाइँमे नेपालके ऐक्यबद्धता जनबैत छोट समयमे भियतनाम कएने प्रगति सबके लेल प्रेरक भेल बतौलैन ।
नेपाल आगामी वर्ष विकासशील देशमे स्तरोन्तति होबाक अवगत करबैत प्रधानमन्त्री ओली ऊर्जा क्षेत्रमे लगानी करबाक लेल आह्वान केलैन । समकक्षी चिङकेँ नेपाल भ्रमणके लेल प्रधानमन्त्री ओली सेहो निमन्त्रण देने बताओल गेल अइछ ।
भेटमे भ्रमण दलमे सहभागी मन्त्रीसभ, सांसदसभ आ परराष्ट्र मन्त्रालयके उच्चा अधिकारीसभक सहभागिता छल । रासस





