काठमाण्डू, २१ भादबः नेपाली कांग्रेसक महामन्त्री गगन कुमार थापा पार्टी गलत नै होइ छै पार्टीमे आबद्ध व्यक्ति गलत होबाक बतौलैन।
नेपाली कांग्रेस, काठमाण्डू महानगर–३० कार्यसमितिद्वारा आइ आयोजित ‘बिपीके विचार आ वर्तमान नेपालक राजनीति’ विषयक कार्यशाला गोष्ठीकेँ सम्बोधन करैत ओ कांग्रेस भीतर शुद्धीकरण आवश्यक भेल बतौलैन । ओ कहलैन, “कांग्रेस स्थापनाकालसँ राष्ट्रिय पार्टी अइछ । व्यक्ति कएने गलती पार्टी नै भोगत आ जिमा सेहो नै लेत, जे गल्ती करत ओकरे जिमा लिय पड़त ।”
बिपीके विचार आइयो ओतबे सान्दर्भिक भेलासँ बिपीकेँ याद करबाक अवस्था भेल ओ उल्लेख केलैन । बिपीके सिद्धान्तअनुसार पार्टी आ अग्रज नेतासभके काज करबाक लेल ओ जोड़ देलैन ।
ओ कहलैन, “कांग्रेसके डर आ लोभसँ मुक्त होबाक चाही । कांग्रेस सरकारमे रहए या नै रहए ओ बड़का बात नै अइछ । हमरासभ चुनावमे हारब से डरसँ गठबन्धन क दोसरके चुनाव चिह्नमे भोट देबाक सहमति करबै ताहि लोभसँ सबके बाहर आबए पड़त ।”
कार्यक्रममे नेपाली कांग्रेस काठमाण्डू महानगर–३० कार्यसमितिके सभापति दलबहादुर कार्की, काठमाण्डू–४ प्रदेश ‘क’ के सभापति विमल कुमार होडालगायत नेतासभ बिपीके योगदान आ वर्तमान राजनीतिक अवस्थाके बारेमे अपन विचार व्यक्त कएने छलैन । रासस






