अर्थतन्त्रके पुनरोत्थानमे सहकार्य करबाक लेल महासङ्घक आग्रह


काठमाण्डू, ६ आसिनः अर्थतन्त्रके पुनःनिर्माण आ पुनरोत्थानमे निजीक्षेत्र आवश्यक सुरक्षा समवंय आ सहकार्यक लेल सरकारसँ आग्रह केलक अइछ ।

रैबदिन प्रधानमन्त्री सुशीला कार्की सङ भेल बातचितक क्रममे नेपाल उद्योग वाणिज्य महासङ्घक अध्यक्ष चन्द्र प्रसाद ढकाल निजी क्षेत्रद्वारा सम्मानित रुपमे काज करबाक वातावरणक लेल सरकारसँ आवश्यक सहयोग आ सुरक्षाके अपेक्षा कएल गेल बतौलैन ।

महासङ्घ आ अन्तर्राष्ट्रिय वित्त निगमद्वारा कएल गेल अध्ययनअनुसार अर्थतन्त्रमे निजी क्षेत्रक योगदान ८१ प्रतिशत अइछ, तँ ८६ प्रतिशत रोजगारी निजी क्षेत्र दैत आएल अइछ ।

व्यवसायीकेँ आत्मविश्वासके सङ खुला रुपमे व्यवसाय करबाक वातावरणके सुनिश्चितता कायम करबा लेल सेहो अध्यक्ष ढकाल आग्रह केलैन । महासङ्घमार्फत देशभैरके क्षति विवरण सङ्कलन भ रहल आ अखनधैर उपलब्ध तथ्याङ्कअनुसार करिब ८० अरब टका बराबरके निजी क्षेत्रमे क्षति भेल प्रारम्भिक अनुमान कएल गेल अध्यक्ष ढकाल जानकारी देलैन । (रासस)

ताजा खबर
धेरै पढिएको