दशमीमे सर्वोच्च अदालतमे बन्दीके रिटपर सुनुवाइ हएत


काठमाण्डू, ६ आसिनः सर्वोच्च अदालतमे दशमीके छुट्टीमे सेहो बन्दीप्रत्यक्षीकरणके रिट निवेदनमे सुनुवाइ हएत ।

दशमी अवधिमे घटस्थापना, विजयादशमी, कोजाग्रत पूर्णिमा आ शैनदिन बाहेक अन्य दिनमे बन्दीप्रत्यक्षीकरणके रिट निवेदनमे सुनुवाइ करबाक लेल भोर ११ः०० बजेसँ दुपहर ३ः०० बजेधैर अदालत खुला रहत सर्वोच्च अदालत प्रशासन जनौने अइछ ।

अदालतके सूचनामे कहल गेल अइछ, “न्याय प्रशासन ऐन, २०७३ के दफा २६ बमोजिम उक्त अवधिमे परैबला घटस्थापना, विजयादशमी, कोजाग्रत पूर्णिमा आ शैनदिन बाहेक अन्य दिनमे बन्दीप्रत्यक्षीकरणके रिट निवेदनपर सुनुवाइ करबाक लेल भोर ११ः०० बजेसँ दुपरह ३ः०० बजेधैर अदालत खुला रहत ।” (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय