काठमाण्डू, २४ आसिनः मलेसियन क्रिकेट सङ्घके आयोजनमे क्वालालम्पुरमे होबए लागल ‘एमसिए वुमन्स इन्टरस्टेट टी–२० च्याम्पियनसिप’मे राष्ट्रिय महिला टोलीके ६ गोटे खेलाड़ी सहभागी हाेबाक जनाओल गेल अइछ ।
आगामी कात्तिक १ गतेसँ ११ गतेधैर संचालन होबए लागल उक्त च्याम्पियनसिपमे सीता राना मगर, कविता जोशी, राजमती ऐरी, रुबिना क्षेत्री, पूजा महतो आ कविता कुँवर सहभागिता जनाओत से नेपाल क्रिकेट सङ्घ (क्यान) के प्रवक्ता छुम्बी लामा जानकारी देलैन ।
नेपाली महिला टोली अइसँ पहिने सेहो मलेसियामे सुपर वुमन सिरिज खेलने छल । (रासस)





