काठमाण्डू, २५ आसिनः प्रधानमन्त्री सुशीला कार्कीसङे देशक समसामयिक राजनीतिक परिस्थिति, जेनजीक माँग सम्बोधन आ आसन्न निर्वाचनसहित विषयमे जेनजी समूहक प्रतिनिधिसँ आइ राष्ट्रपति कार्यालयमे बातचित भेल अइछ ।
राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेलके आह्वानमे जारी बातचितमे प्रधानमन्त्री कार्की मन्त्री आ जेनजी समूहक प्रतिनिधि सुदन गुरुङ, प्रवेश दाहाल, मिराज ढुंगानासहित सहभागी छैथ । बातचितमे सुशासन, संविधान संशोधनसहित विषयमे जेनजी समूहक प्रतिनिधि अपन धारणा प्रस्तुत केलक अइछ ।
अगिला निर्वाचनमे केन्द्रित भ विघटित प्रतिनिधिसभामे प्रतिनिधित्व सहित राजनीतिक दलक नेताबीच शुक्रदिन राष्ट्रपति भवनमे बातचित भेल छल । युवासभके आन्दोलनके बाद जेनजी समूहक प्रतिनिधिसँ राष्ट्रपति भवनमे पहिल बेर बातचित भेल अइछ । (रासस)






