मधेश प्रदेश जनलोकपाल आयोगद्वारा चारिम वार्षिक प्रतिवेदन पेस


महेन्द्रनगर (धनुषा), २९ आसिनः मधेश प्रदेश प्रमुख सुमित्रा सुवेदी भण्डारीसमक्ष मधेश प्रदेश जनलोकपाल आयोग आर्थिक वर्ष २०८१/८२ के चारिम वार्षिक प्रतिवेदन पेस केलक अइछ ।

जनकपुरधामस्थित प्रदेश प्रमुखके कार्यालयमे मङ्गलदिन आयोजित एक कार्यक्रमक बीच आयोगक अध्यक्ष रामसहाय राय यादवसहितक प्रतिनिधिसभ प्रदेश प्रमुख भण्डारीकेँ वार्षिक प्रतिवेदन हस्तान्तरण केलैन ।

आयोग प्रतिवेदनमार्फत प्रदेशभीतर सार्वजनिक निकायमे सुशासन प्रवर्द्धन, भ्रष्टाचार न्यूनीकरण तथा नागरिकके समस्या समाधानक लेल चालु आर्थिक वर्षमे कएल गेल काजसभक विवरण प्रस्तुत केलैन ।

जनलोकपाल आयोगक काजक सराहना करैत प्रतिवेदनकेँ गम्भीरताक सङ अध्ययन करबाक प्रदेश प्रमुख भण्डारी बतौलैन । आयोग पारदर्शिता आ जवाफदेहिता कायम करबाक लेल आओर प्रभावकारी भूमिका निर्वाह करत से ओ बतौलैन ।

जनलोकपाल आयोग प्रत्येक वर्ष अपन कार्यक्षेत्र भीतरके गतिविधिसभ सङ्कलन क प्रदेश प्रमुखसमक्ष प्रतिवेदन पेस करैत आएल अइछ ।(रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय