जेनजी’ आन्दोलनक घायल व्यक्तिसभक लेल ४८ लाख बजेट निकासा


काठमाण्डू, ४ कात्तिकः सरकार ‘जेनजी’ आन्दोलनक क्रममे घायल भेल व्यक्तिसभक खर्च करबा लेल ४८ लाख ५८ हजार बजेट निकासा केलक अइछ ।

स्वास्थ्य तथा जनसङ्ख्या मन्त्रालयके प्रारम्भिक प्रतिवेदनक आधारपर तत्काल खर्चबापत् प्रत्येक घायल व्यक्तिकेँ २० हजार टकाके हिसाबसँ वितरण करबा लेल ई बजेट पठाओल गेल अइछ । पहिल चरणमे झापा, मोरङ, सुनसरी, काठमाण्डू, ललितपुर, कास्की, सुर्खेत, कैलाली आ डडेलधुरामे बजेट पठाओल गेल गृह मन्त्रालय जनौने अइछ ।

अखनधैर स्वास्थ्य मन्त्रालयद्वारा दू हजार ४ सओ २९ गोटे घायल भेल व्यक्तिसभक विवरण गृह मन्त्रालयमे उपलब्ध कराओल गेल अइछ । बितल भादब २३ आ २४ गतेके प्रदर्शनक क्रममे घायल भेल व्यक्तिसभक पहिचान एवं सहज आ प्रभावकारी इलाजक व्यवस्थाके लेल परिचयपत्र वितरण सेहो कएल गेल अइछ । गृह मन्त्रालयद्वारा सम्बन्धित जिला प्रशासन कार्यालयमे दू हजार ८ सओ ७६ टा परिचयपत्र पठाओल गेल अइछ, तँ ३८ टा परिचयपत्र अस्पतालसँ वितरण कएल गेल अइछ ।

सरकार जेनजी आन्दोलनक घायल व्यक्तिसभक निःशुल्क इलाज क रहल अइछ । अखनधैर एक अरबसँ बेसी बजेट घायल व्यक्तिसभक इलाजमे खर्च भेल स्वास्थ्य मन्त्रालय जनौने अइछ ।

तहिना, जेनजी आन्दोलनक क्रममे निधन भेल ५३ परिवारकेँ लेल १५ लाख टकाके हिसाबसँ आर्थिक सहयोग तथा किरिया खर्च पठाएल गेल गृह मन्त्रालय जनौने अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय