काठमाण्डू, ८ कातिकः स्थानीय प्रशासनसँ अनुमति नै ल काठमाण्डूके माइतीघरमे प्रदर्शन क रहल ५० व्यक्तिकेँ आइ नेपाल प्रहरी हिरासतमे लेलक अइछ ।
आइ भोरसँ माइतीघरमे प्रर्दशन क रहल जनेजी युनाइटेडके सदस्यकेँ जिला प्रहरी परिसर, काठमाण्डूके टोली सोधपुछके लेल नियन्त्रणमे लेल गेल अइछ।
स्थानीय प्रशासनके अनुमतिबिना प्रदर्शन क रहल आ अन्य जेनजी समूहबीच सम्भावित मुडभेडसँ प्रदर्शनकारी असुरक्षित भेल अवस्था अएलासँ पुछताछके लेल नियन्त्रणमे लेल गेल प्रहरी परिसर, काठमाण्डू जनौलक अइछ । जाहिमे ५० मध्ये २४ महिला आ २६ पुरुष छै ।
जेनजी युनाइटेडके अगुवा मदन कार्की स्वयंसभ स्वतन्त्र रुपमे प्रदर्शन करए लेल जिला प्रशासन कार्यालय, काठमाण्डूसँ अनुमति मँगलापर नै देल गेल बतौलैन । ओ प्रहरी प्रशासन प्रदर्शनकारीकेँ नियन्त्रणमे लेब लोकतान्त्रिक नै भेल बतौलैन । “हमरासभ जेनजीसभ एकजुट होए पडत से सकारात्मक भाव प्रसार होए ताहिमे लागल छी । मुदा हमरासभकेँ रोकल गेल । जिला प्रशासन कार्यालय काठमाण्डूसँ अनुमति नै मिलल”, खनाल कहलैन । रासस





