पर्सामे सजाएल गेल छैठ घाट


वीरगञ्ज (पर्सा), ९ कात्तिकः छैठ पावैनके ध्यानमे राइख अइ ठामक पोखैर आ नदीमे बनाएल गेल छैठ घाट सजाएल गेल अइछ । छैठ पावैनकेँ ध्यानमे राखैत वीरगञ्ज महानगरसहित पर्साके विभिन्न छैठ घाटके सरसफाइ कएल गेल अइछ ।

मिथिलाञ्चलक पौराणिक महत्व भेल वीरगञ्जस्थित घड़िअर्वा पोखैर, नगवा पोखैर, छपकैया पोखैर, श्रीपुर पोखैर, रानी घाटसहित जिलाक विभिन्न छैठ घाट सजेबाक काज अन्तिम चरणमे अइछ ।

छैठ पूजा व्यवस्थापन समिति घड़िअर्वा पोखैरके अध्यक्ष राकेश कुमार साह कानु आने सालजँका अहु साल घड़ीअर्वा पोखैरमे छैठ पूजाके तैयारी अन्तिम चरणमे पहुँचल बतौलैन ।

“हमसभ जनआस्थाक पावैन छैठकेँ ध्यानमे राइख घड़ीअर्वा पोखैरकेँ शृङ्गार क सजौने छी”, ओ कहलैन, “घड़ीअर्वा पोखैरमे छैठ पावैनक लेल कएल जाएबला सजावट देखबा लेल भारतक बिहार राज्य तथा नेपालक काठमाण्डू, चितवन, मकवानपुरलगायतक स्थानसँ सेहो पर्यटक आबैत छै ।” समिति अइ साल करिब २५ लाख टका खर्च क छैठ पावैनकेँ भव्य आ सभ्य ढङ्गसँ मनेबाक तैयारीमे अइछ ।

घड़ीअर्वामे होबएबला छैठ पावैनके एक लाखसँ बेसी श्रद्धालुसभ दर्शनक लेल आबैत अइछ से अध्यक्ष कानु बतौलैन । छैठ पूजा अपन परिवार आ सन्तानक सुख समृद्धिके कामना करैत मनाएल जाइत अइछ । अइ बेरक छैठ पावैनक मुख्य दिन काइल्ह (सोमदिन) कातिक शुक्ल षष्ठीके दिन अइछ । छैठ पावैन विशेष क कात्तिक शुक्ल चतुर्दशीके दिनसँ सुरु भ षष्ठी तिथिधैर मनाएल जाइत अइछ ।

वीरगञ्जक घड़ीअर्वा पोखैरमे दू दशक पहिनेसँ छैठ पावैन मनाओल जाइत अइछ । “छैठक पूजा सहज तरिकासँ करबा लेल व्यवस्थापनके नीक बनाएल गेल छै”, ओ कहलैन, “वीरगञ्जक घड़ीअर्वा पोखैरमे छैठ पूजाके मुख्य आकर्षण पण्डाल छै, पण्डालके सबसँ बेसी आर्कषण बनाएल जाइत छै ।”(रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय