धुलिखेल, १४ कातिकः वर्षाक कारण बिपी राजमार्ग अवरुद्ध भेल अइछ । बिपी राजमार्ग सड़कखण्ड अन्तर्गत काभ्रेपलाञ्चोकके नमोबुद्ध नगरपालिका–६ चौकीडाँडा आ रोशी गाउँपालिकाके विभिन्न स्थानक सड़कपर थाल जमा भेलाक बाद सड़क अवरुद्ध भेल अइछ ।
रोशी–७ स्थित चारसय बेँसी, वाड नं. ९ के बिरुवाडाँडा, बोक्सेकुना, नार्के आ वाड नं. ११ के डालाबँसीमे सड़कपर थाल जमा भेल आ पत्थर खसलाक बाद सड़क दूनुदिस अवरुद्ध भेल अइछ । अवरुद्ध सड़क संचालनक प्रयास भ रहल जिला प्रहरी कार्यालयके प्रहरी नायब उपरीक्षक रबिन विष्ट बतौलैन ।
जोखिम नै होए तइ लेल स्थानीय प्रशासनद्वारा वृहस्पैतदिन साँझ ५ बजेसँ आइ भोर ६ बजेधैर बिपी राजमार्गके काभ्रेभञ्ज्याङ्ग–भकुण्डेबेँसी–सिन्धुली सड़कखण्डमे आवतजावत करबाक लेल एम्बुलेन्स आ अत्यावश्यक सेवाक सवारीसाधन बाहेकके सवारीसाधन आवागमनमे निषेध कएल गेल छल । (रासस)





