काठमाण्डू, १६ कातिकः बङ्गालक खाड़ीसँ उठल ‘मोन्था आँधी’ के कारण प्रभावित भेल देशभैरके मौसममे सुधार होइत गेलाक बादो किछ स्थानमे वर्षाक संभावना कायम अइछ ।
जल तथा मौसम विज्ञान विभागक अनुसार कोशी, बागमती आ गण्डकी प्रदेशक पहाड़ी भू–भागके किछ स्थानपर हल्का वर्षा आ हिमपातके संभावना अइछ । पहाड़ी भू–भागमे किछ बदली भेलाक बादो बाँकी भू–भागमे मौसम आइ मुख्यतया साफ रहबाक विभाग जनौलक अइछ । पश्चिमी वायु आ अरब सागरमे बनल न्यून चापीय प्रणालीके प्रभाव मजबुत भेलासँ बदली कायम रहबाक विभाग जनौलक अइछ ।
आइ दुपहर कोशी, बागमती आ गण्डकी प्रदेशमे साधारणतया बदली रहि मधेश प्रदेशलगायत बाँकी प्रदेशक पहाड़ी भू–भागमे आंशिक बदली रहबाक तथा बाँकी भू–भागमे मौसम मुख्यतया साफ रहबाक बताओल गेल अइछ । तहिना, आइ राइत कोशी, बागमती आ गण्डकी प्रदेशक पहाड़ी भू–भागमे आंशिक बदली रहि बाँकी प्रदेशमे मौसम मुख्यतया साफ रहत । कोशी, बागमती आ गण्डकी प्रदेशक पहाड़ी आ हिमाली भू–भागक एक–दू स्थानमे हल्का वर्षा आ हिमपातके संभावना रहल विभाग जनौलक अइछ ।रासस
–––





