काठमाण्डू, १७ कातिकः कार्यवाहक राष्ट्रपति रामसहाय प्रसाद यादवसँ नेपालक लेल जर्मनीके राजदूत उदो युगेन भोल्ज आइ लैनचौरस्थित उपराष्ट्रपतिके कार्यालयमे शिष्टाचार भेटवार्ता केलैन अइछ ।
भेटक अवसरमे दूनु देश बीचक दीर्घकालीन मैत्रीपूर्ण सम्बन्ध, आपसी सहयोग, विकास साझेदारी, लगानी, व्यापार तथा पर्यटन प्रवर्द्धनलगायतक विषयमे बातचित भेल उपराष्ट्रपतिके कार्यालय जनौलक अइछ ।
कार्यवाहक राष्ट्रपति यादव नेपाल आ जर्मनी बीच सन् १९५८ मे दौत्य सम्बन्ध स्थापना भेलाक बाद कायम भेल आपसी विश्वास आ सहयोगप्रति धन्यवाद व्यक्त केलैन । उच्चस्तरीय भ्रमण, विकास साझेदारी, जनस्तरके सम्बन्ध, लगानी तथा पर्यटन क्षेत्रकेँ दू देश बीचक सम्बन्धक आधारस्तम्भके रुपमे ओ उल्लेख केलैन ।
जेनजी आन्दोलनक बाद नेपालक लोकतान्त्रिक यात्रा नयाँ गति लेने उल्लेख करैत कार्यवाहक राष्ट्रपति यादव उत्तरदायी, जवाफदेही आ भ्रष्टाचारमुक्त शासनप्रति जनआकाङ्क्षा राष्ट्रिय एजेण्डाके रुपमे स्थापित भेल बतौलैन । आगामी ५ मार्च २०२६ मे प्रतिनिधि सभा निर्वाचन सम्पन्न करबाक सरकारक प्राथमिकताके बारेमे सेहो ओ जानकारी देलैन ।
सङ्घीय गणतन्त्र जर्मनी नेपालक प्रमुख विकास तथा व्यापार साझेदारमध्ये एक रहल उल्लेख करैत कार्यवाहक राष्ट्रपति यादव सन् १९६१ सँ प्राप्त जर्मन सहयोगप्रति धन्यवाद व्यक्त केलैन । जलवायु परिवर्तनजेहन अन्तर्राष्ट्रिय मुद्दामे जर्मनी बहुपक्षीय मञ्चमे निर्वाह कएने भूमिकाक प्रशंसा करैत ओ भविष्यमे सेहो आपसी हितके विषयमे सहकार्य जारी रहत से विश्वास व्यक्त केलैन ।
नेपाल अइगला वर्ष अतिकम विकसित देशसँ स्तरोन्नति भ सन् २०३० धैर मध्यम आय भेल देश बनबाक लक्ष्य राखने उल्लेख करैत कार्यवाहक राष्ट्रपति यादव उक्त लक्ष्यकेँ दीर्घकालीन बनेबा लेल जर्मनीलगायत विकास साझेदारसभक पूँजी, प्रविधि, लगानी आ आर्थिक साझेदारी आवश्यक भेल बतौलैन ।
जर्मनीके राजदूत उदो युगेन भोल्ज नेपाल–जर्मनी सम्बन्ध अत्यन्त घनिष्ट आ मजबुत रहल उल्लेख करैत नेपाल सरकारकेँ जर्मनी निरन्तर समर्थन आ सहयोग करत से प्रतिबद्धता व्यक्त केलैन । (रासस)





