काठमाण्डू, १८ कातिकः राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेल नेपालमे अइगला फागुन २१ गते होबएलागल प्रतिनिधि सभा निर्वाचन युवा पुस्ताके आन्दोलनक उपलब्धी भेल बतौलैन अइछ । निर्वाचनकेँ सफल बनेबा लेल ओ सबसँ आग्रह सेहो केलैन अइछ ।
कतारक दोहास्थित नेपाली राजदूतावासमे सोमदिन आयोजित स्वागत कार्यक्रमके सम्बोधन करैत ओ ई निर्वाचन नेपालक विकास आ भाग्यके लेल महत्त्वपूर्ण होबाक बतौने राष्ट्रपतिके प्रेस सलाहाकार किरण पोखरेल जानकारी देलैन ।
राष्ट्रपति पौडेल कहलैन, “युवा पुस्ता भ्रष्टाचारके अन्त्य, सुशासन, विकास आ नेपाली युवासभक विदेश जेबाक अवस्थाक अन्त्यके लेल आन्दोलन कएने छल । मुदा, अइमे रोटी सेकबाक लेल अग्रसर भेल शक्तिसभ असफल भेलासँ देशक संविधान आ प्रणाली बइँच सकल ।”
कतारक विकास, उन्नति आ प्रविधिसँ प्राप्त अनुभवकेँ नेपालक विकासमे प्रयोग करबा लेल राष्ट्रपति पौडेल नेपाली समुदायकेँ आग्रह केलैन ।
कतारक राजधानी दोहामे इएह कात्तिक १८ गतेसँ २० गतेधैर आयोजन होबएबला ‘सामाजिक विकासक लेल दोसर विश्व शिखर सम्मेलन’मे सहभागी होबाक लेल सोमदिन दोहा गेलैन अइछ ।
राष्ट्रपति पौडेलके संयुक्त राष्ट्रसङ्घक महासभाके निर्णयअनुसार कतारक दोहामे होबए लागल ‘सामाजिक विकासक लेल दोसर विश्व शिखर सम्मेलन’ क मुख्य सत्रकेँ कात्तिक १८ गते सम्बोधन करबाक कार्यक्रम छैन । तहिना, राष्ट्रपति पौडेलके सम्मेलनक अवसरमे कतारक अमिर शेख तमिम बिन हमद अल थानी आ संयुक्त राष्ट्रसङ्घक महासचिव एन्टोनियो गुटेरेसलगायतसँ सेहो भेटवार्ता करबाक कार्यक्रम छैन । (रासस)





