‘जेनजी’ प्रदर्शनमे मृत्यु भेल ४५ गोटे सहिद घोषणा (नाम सहित)


काठमाण्डू, १८ कातिकः सरकार बितल भादब २३ आ २४ गते ‘जेनजी’ प्रदर्शनक क्रममे मृत्यु भेल ४५ गोटेकेँ सहिद घोषणा केलक अइछ ।

सोमदिनक मन्त्रिपरिषद् बैसारसँ प्रदर्शनक क्रममे काठमाण्डूलगायत देशक विभिन्न भागमे मृत्यु भेल ४५ गोटेकेँ राज्यके दिससँ सहिद घोषणा करबाक निर्णय कएल गेल संचार तथा सूचना प्रविधिमन्त्री जगदीश खरेल जानकारी देलैन ।

गृह मन्त्रालयअन्तर्गत सहसचिव नेतृत्वमे भेल समिति आ विभिन्न जिला प्रशासन कार्यालय, सरोकारवाला, सुरक्षा निकायलगायतसँ कएल गेल अध्ययनक आधारपर ४५ गोटेकेँ सहिद घोषणा करबाक निर्णय कएल गेल ओ बतौलैन । आन मृतकके बारेमे अध्ययन भ रहल आ ओइसँ आएल नतिजाक आधारपर निर्णय कएल जेबाक मन्त्री खरेल बतौलैन । आन्दोलनमे प्रदर्शनकारी, कैदीबन्दी आ अन्यसहित ७२ गोटेसँ बेसीके मृत्यु भेल छल । सरकार अइसँ पहिने जेनजी आन्दोलनक सहिद परिवार तथा घायल भेल व्यक्तिसभकेँ आर्थिक सहायता उपलब्ध करेबाक निर्णय क चुकल अइछ ।

सहिद घोषणा कएल गेल व्यक्तिसभक नामः
सरकार काठमाण्डूके कीर्तिपुर नगरपालिका–२ के बुद्धि बहादुर तामाङ आ काठमाण्डू महानगरपालिका–११ के ईस्वत बहादुर अधिकारी, उदयपुरके बेलका नगरपालिका–४ के सन्तोष विश्वकर्मा, बाँकेके नेपालगञ्ज उपमहानगरपालिका–१ के सुलभ राज श्रेष्ठ आ आयुष थापा, मोरङके बेलबारी नगरपालिका–११ के श्रीयम चौलागाईँ, कैलालीके धनगढ़ी उपमहानगरपालिका–५ के गौरव जोशी, सिन्धुपाल्चोक बाह्रबिसे नगरपालिका–६ के योग बहादुर श्रेष्ठ आ चौतारा साँगाचोकगढ़ी नगरपालिका–८ के उमेश महतकेँ सहिद घोषणा केलक अइछ ।

तहिना, पर्साके वीरगञ्ज महानगरपालिका–१२ के असहाव आलम ठकुराई, बागलुङके बालगुङ नगरपालिका–४ के सौरन किशोर श्रेष्ठ, बझाङके खप्तडछान्ना गाउँपालिका–७ के सुभाष कुमार बोहरा आ दुर्गाथली गाउँपालिका–१ के भीमराज धामी, काभ्रेपालञ्चोकके पनौती नगरपालिका–१० के रसिक खतिवडा खत्री आ तेमाल गाउँपालिका–७ के दिल नारायण तामाङ, ललितपुरके ललितपुर महानगरपालिका–७ के विनोद महर्जन, सिन्धुलीके गोलञ्जोर गाउँपालिका–१ के योगेन्द्र न्यौपाने, दुधौली नगरपालिका–८ के मिलन राय आ तीनपाटन गाउँपालिका–६ के दिपेश सुनुवारके सेहो सहिद घोषणा कएल गेल अइछ ।

धनकुटाके पाख्रिबास नगरपालिका–२ के छत्रमान कुथुमी, बाजुराके स्वामिकार्तिक खापर गाउँपालिका–२ के ओझन बुढा, उदयपुरके चौदण्डीगढ़ी नगरपालिका–३ के सार कुमार राई, नुवाकोटके ककनी गाउँपालिका–१ के शभराज बलामी श्रेष्ठ, पञ्चकन्या गाउँपालिका–२ के लच्छुमान राई आ तादी गाउँपालिका–३ के धिरज श्रेष्ठ, सर्लाहीके लालबन्दी नगरपालिका–५ देव कुमार सुवेदी, सङ्खुवासभाके सिलिचोङ गाउँपालिका–३ के प्रविण कुलुङ, चितवनके कालिका नगरपालिका–८ के निखिता गौतम, दोलखाके शैलुङ गाउँपालिका–४ के अभिषेक चौलागाईँ आ विगु गाउँपालिका–३ के महेश बुढाथोकी, सिरहाक लहान नगरपालिका–१५ के विजय चौधरी तथा बैतडीके दशरथ नगरपालिका–६ के निरज पन्त आ शिवनाथ गाउँपालिका–२ के दीपक सिंह साउदकेँ सरकारद्वारा सहिद घोषणा कएल गेल अइछ ।

तहिना, सुनसरीके इनरुवा नगरपालिका–६ निवासी अभिषेक श्रेष्ठ, धरान उपमहानगरपालिका–२२ निवासी साजन राई आ इटहरी उपमहानगरपालिका–१४ निवासी मोहन सरदार, अर्घाखाँचीके भूमिकास्थान नगरपालिका–४ के माधव सारु मगर आ गोरखाके बारपाक सुलिकोट गाउँपालिका–५ के बिमल बाबु भट्ट, गण्डकी गाउँपालिका–४ के अर्जुन भट्ट आ पालुङटार नगरपालिका–२ के अनिश पराजुली, झापाके अर्जुनधारा नगरपालिका–११ ज्ञानिन्द्र सेढाईँ आ वाड नं. ८ के दिनेश राजवंशी, पाँचथरके हिलिहाङ गाउँपालिका–२ के कमल भण्डारी, कास्कीके रुपा गाउँपालिका–५ के अमृत गुरुङ आ दार्चुलाके लेकाम गाउँपालिका–३ के उत्तम थापाकेँ सहिद घोषणा कएल गेल गृह मन्त्रालय जनौलक अइछ । रासस

ताजा खबर
धेरै पढिएको