निर्वाचनमैत्री समाचार सामग्रीकेँ प्राथमिकता देबाक लेल सरकारी सञ्चारमाध्यमसँ सरकारक आग्रह


काठमाण्डू, १९ कातिकः संचार तथा सूचना प्रविधिमन्त्री जगदीश खरेल सरकार निर्धारित तिथिमे निर्वाचन सम्पन्न करएजँका क्रियाशील भेलासँ अइमे सहयोग होबएबला समाचार सामग्रीकेँ प्राथमिकता देबाक लेल आग्रह केलैन अइछ । 

मङ्गलदिन सिंहदरबारस्थित संचार मन्त्रालयमे सरकारी स्वामित्वमे भेल संचारमाध्यमक सम्पादकीय नेतृत्वसँ बातचित करैत ओ अइ काजमे सरकारी संचारमाध्यमके आओर जिमेवार आ जवाफदेही होबाकपर जोड़ देलैन । 

मन्त्री खरेल सरकारक प्राथमिकतामे भेल निर्वाचन, सुशासन, भ्रष्टाचार नियन्त्रण तथा ‘जेनजी’ पुस्ताक भावना अनुसारक ‘कन्टेन्ट’ सम्प्रेषण करबा लेल आग्रह केलैन । “सरकार निर्वाचन, सुशासन आ जेनजीके आवाजकेँ संबोधन करबा लेल क्रियाशील छै । अइमे सबके सहयोगक लेल सरकार चरणबद्ध रुपमे राजनीतिक दल, नागरिक समाज, संचारकर्मीलगायतसँ बातचित आ संवाद क सहजीकरणमे लागल छै”, ओ कहलैन,“अइमे आमसंचार माध्यमक आओर बेसी भूमिका छै । सरकारी संचार माध्यमके आओर जिमेवार रुपमे निर्वाचनक माहोल बनाबए आ उत्पन्न परिस्थितिके सहज रुपान्तरणक लेल भूमिका निर्वाह करबाक चाही । ओइ लेल अहाँसबसँ हमर आग्रह अइछ ।”

निर्वाचनक माहोल बनाबए सरकार राजनीतिक दल आ ‘जेनजी’ प्रतिनिधिसँ निरन्तर संवाद आ अन्तरक्रिया क रहल अइछ । प्रधानमन्त्री सुशीला कार्कीके आह्वानमे इएह कात्तिक १२ गते सरकार, राजनीतिक दल आ जेनजी प्रतिनिधि बीच संयुक्त बातचित भेल छल । कातिक ४ गते सरकार आ राजनीतिक दल बीच बातचित भेल छल । ई बातचितसँ निर्वाचनक लेल सकारात्मक वातावरण उत्पन्न भेल मन्त्री खेरेलके कहब छैन । 

सरकारक प्रवक्ता सेहो रहल मन्त्री खरेल निर्वाचन केन्द्रित भ विभिन्न संचारमाध्यमक प्रतिनिधि सङक बातचितकेँ प्राथमिकतामे राखने बतौलैन । “फागुन २१ गतेके निर्वाचन सफलतापूर्वक सम्पन्न करबा लेल सरकार सब तरहक तैयारी क रहल छै । निर्वाचनक माहोल बनाबए राजनीतिक दल आ जेनजी प्रतिनिधि सेहो सकारात्मक आ प्रतिबद्ध छै”, ओ कहलैन,“इएह विषयवस्तुकेँ प्राथमिकतामे राइख समाचार, तस्बिर, श्रव्यदृश्यलगायत सामग्री प्रसारण/प्रकाशनक लेल अनुरोध अइछ ।”

परिवर्तित सन्दर्भमे सरकारी संचारमाध्यमद्वारा निर्वाह कएल गेल भूमिकाके सराहना करैत ओ ‘जेनजी भ्वाइस’ शीर्षकमे जेनजी सहिद, घायल व्यक्ति आ पीड़ित परिवारक पीड़ा, वेदना आ समस्याकेँ बारेमे समाचार, श्रव्यदृश्यलगायत सामग्री प्रकासन प्रसारणक लेल आग्रह केलैन ।

बतचितमे सरकारक चारो संचारमाध्यमक प्रतिनिधि निर्वाचनसहित सरकारक गतिविधि, सुशासन, जेनजीके सरोकार आ प्राथमिकता, आर्थिक विकासलगायत विषयकेँ प्राथमिकताक सङ सम्प्रेषण कएल गेल बतौलैन । सरकारक काम कारबाहीसम्बन्धी सूचना आ गतिविधि एकद्वार प्रणालीमार्फत प्रवाह करबाक प्रबन्धके लेल संचारमन्त्रीसमक्ष ओसभ आग्रह केलैन ।

राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस) के प्रधानसम्पादक उत्तम सिल्वाल निर्वाचन, सुशासन आ जेनजीके भावना अनुसार समाचार सामग्रीकेँ रासस प्राथमिकताक सङ सम्प्रेषण क रहल बतालैन । राससके प्रमुख समाचारदाता नारायण प्रसाद न्यौपाने सरकारी निकायक सूचना पहुँच सहज आ जेनजी सहिद तथा घायल भेल व्यक्तिसभक विषयवस्तुकेँ प्राथमिकताक सङ सम्प्रेषण करबाक प्रतिबद्धता व्यक्त केलैन ।

गोरखापत्र संस्थानक निमित्त प्रधानसम्पादक जुनारबाबु बस्नेत निर्वाचनक वातावरण बनाबएजँका विषयवस्तु, सुशासन आ जेनजीके विषयकेँ समाचार सामग्रीमे प्राथमिकता देल गेल बतौलैन । 

सार्वजनिक सेवा प्रसारण नेपाल, नेपाल टेलिभिजनक समाचार महाशाखा प्रमुख पुष्पहरि क्याम्प राई परिवर्तित सन्दर्भमे बेसी सचेत आ संवेदनशील भ क काज भ रहल जानकारी देलैन । (रासस)

ताजा खबर
धेरै पढिएको