नेता कार्यकर्ताकेँ पार्टीमे घुइम क अएबाक लेल अध्यक्ष यादवके आह्वान


काठमाण्डू, २१ कातिक : जनता समाजवादी पार्टी नेपालके अध्यक्ष उपेन्द्र यादव विगतमे विभिन्न कारण आ कालखण्डमे दल छोइर क बहार गेल सम्पूर्ण नेता तथा कार्यकर्ताकेँ मूलधारमे अएबाक लेल आह्वान केलैन अइछ ।

ललितपुरके इमाडोलमे अध्यक्ष यादवके अध्यक्षतामे सम्पन्न केन्द्रीय समिति बैसार विगतमे पार्टीके श्रीवृद्धि आ आन्तरिक जीवनमे पैघ योगदान देनिहार कार्यकर्ताकेँ अपन पुरान घरमे अएबाक लेल आह्वान कएल गेल जानकारी देलैन अइछ ।

“पार्टी स्थापनाकालसँ विगतमे विभिन्न कारणसँ असन्तुुष्ट भ पार्टीसँ बहार भेनिहार सबकेँ अपन पुरने घरमे अएबाक लेल आह्वान करैत छी”, अध्यक्ष यादव कहलैथ, “जसपा नेपाल हमरासभ सबके साझा सङ्गठन भेलासँ कोनो कारण पार्टी परित्याग कएलोपर पुनः अएबाक लेल कोनो दिक्कत नै मानए पड़त ।”

अध्यक्ष यादव पार्टीमे आबैबला नेता तथा कार्यकर्ताकेँ क्षमता, दक्षता, भूमिका आ योग्यताअनुसार पार्टीमे उचित स्थान आ जिमेवारी देल जेबाक स्पष्ट केलैन । हुनकासभके स्वागतक लेल पार्टीक केबाड़ खुला रहल अध्यक्ष यादव स्पष्ट केलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय