काठमाण्डू, २३ कातिकः हङकङमे भ रहल हङकङ इन्टरनेशनल सिक्सेस क्रिकेट प्रतियोगिताअन्तर्गत आइ भेल खेलमे नेपाल संयुक्त अरब इमिरेट्स (युएई) सँ ४३ रनसँ पराजित भेल अइछ ।
युएई देने एक सओ ३० रनक लक्ष्यसहित मैदान आएल नेपाल निर्धारित ६ ओभरमे ४ विकेटके नोक्सानीमे ८४ रन मात्रे बनाइब सकल । नेपालक लेल मोहमद आदिल आलम ३२ आ सन्दीप जोरा नट आउट रहैत ३१ रन बनौलैन ।
ओइसँ पहिने ब्याटिङ कएने युएई निर्धारित ६ ओभरमे ५ विकेटके नोक्सानीमे एक सओ २९ रनक योगफल बनौने छल । युएईके लेल निलाश केसवानी सर्वाधिक ७३ रन आ जाहिद अली ३० रनक योगदान केलैन ।
नेपालक लेल राशिद खान दू विकेट लेलैन, तँ रुपेश सिंह एक विकेट लेलैन । अइ पराजय सङे नेपालक यात्रा सेहाे प्रतियोगितमे समाप्त भेल अइछ ।
१२ टोली सहभागी प्रतियोगितामे नेपाल भारतकेँ मात्र पराजित कएने छल, तँ बाँकी सब खेलमे नेपाल पराजित भेल छल । (रासस)





