प्रधानमन्त्रीसमक्ष डा केसीके ज्ञापनपत्र


काठमाण्डू, २३ कातिकः प्रधानमन्त्री सुशीला कार्कीसमक्ष चिकित्सा शिक्षा सुधारके माँग करैत डा गोविन्द केसी दश बिन्दुक ज्ञापनपत्र देलक अइछ ।

प्रधानमन्त्री कार्कीकेँ सिंहदरबारमे आइ भेट क डा केसी ज्ञापनपत्र देल गेल प्रधानमन्त्रीक प्रेस संयोजक रामबहादुर रावल जानकारी देलैन अइछ । ज्ञापनपत्र लेबाक क्रममे प्रधानमन्त्री कार्कीसहित गृहमन्त्री ओमप्रकाश अर्याल, शिक्षामन्त्री महावीर पुन, स्वास्थ्यमन्त्री डा सुधा गौतम तथा चिकित्सा शिक्षा आयोगक उपाध्यक्ष डा अञ्जनी झा आ डा केसीसङे चिकित्सा शिक्षा आयोगक पूर्वउपाध्यक्ष श्रीकृष्ण गिरी तथा प्राडा जगदीशप्रसाद अग्रवाल सहभागी छलैथ ।

ज्ञापनपत्रमे सरकारी अस्पताल तथा स्वास्थ सेवा संस्थासभमे अखनके आवश्यकताअनुसार जनशक्ति दरबन्दी वृद्धि करबाक, चिकित्सकसहित स्वास्थ्यकर्मीके रोजगारीक अवसर सिर्जना करबाक चाही लगायतके माँग अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय