मधेश प्रदेशमे रातोरात सत्ता परिवर्तन : सरोज मुख्यमन्त्री बनल, तीन मन्त्री संग मन्त्रिपरिषद् विस्तार


जनकपुरधाम । मधेश प्रदेशक राजनीति फेरि सुलइग गेल अइछ। रातोरात सत्ता परिवर्तन भ’ गेल आ नेकपा (एमाले) संसदीय दलक नेता सरोजकुमार यादव नवा मुख्यमन्त्री बइन गेल ।

प्रदेश प्रमुख सुमित्रा सुवेदी भण्डारी संविधानक धारा १६८(३) अनुसार यादवक नाम घोषणा केने छथि। अस्वस्थता देखबैत भण्डारी काठमाडौं जाय रहल छी कहैत मधेश भवनस निकलल छल, मुदा बीचमे बर्दिबासक होटल पानसमे कात्तिक २३क राति सरोज यादवके शपथ खुवा देल गेल अइछ।

तीन साप्ताह पहिले सात दलीय गठबन्धनक समर्थनमे बनल जितेन्द्र सोनल नेतृत्वक सरकार विश्वासमत नपाबैबला स्थिति आएबाक बाद राजीनामा देने छल। ओकर बाद गठबन्धन नवा सरकार बनाबैक तयारीमे छल, मुदा प्रदेश प्रमुखक एहन कदमसँ मधेशक राजनीतिमे जोरदार हलचल मचल अइछ।

गठबन्धन दलसभक नेतागण प्रदेश प्रमुखपर संविधान उल्लंघन आ एमालेक पक्षमे ‘गुप्त खेल’ खेलबाक आरोप लगा रहल छथि। जनकपुरधाममे दलसभक कार्यकर्तासभ विरोध प्रदर्शन आ नारा लगबैत देखल गेल छइथ।

मुख्यमन्त्री नियुक्त होइतहि यादवक मन्त्रिपरिषद् विस्तार सेहो भेल अइछ। हुनका संग तीन मन्त्री बनलाह — एमालेसँ लखन दास, संघीय समाजवादी पार्टीसँ बिमला अन्सारी, आ राप्रपासँ कञ्चन बिच्छा। संघीय समाजवादी आ राप्रपाक प्रदेशसभामे एक–एक सीट अइछ।

ई घटनासँ मधेश प्रदेशक सत्ता समीकरण फेर एक बेर डगमगाएल अइछ।

ताजा खबर
लोकप्रिय