काठमाण्डू, २४ कातिकः निर्वाचन आयोग अइगला प्रतिनिधि सभा आ राष्ट्रिय सभा निर्वाचनकेँ लक्षित क आयोगक पूर्वपदाधिकारी आ पूर्वसचिवसँ परामर्श केलक अइछ । कान्तिपथस्थित आयोगक केन्द्रीय कार्यालयमे आइ भेल बैसारमे अइगला निर्वाचनकेँ स्वच्छ, स्वन्तन्त्र, निष्पक्ष, भयरहित आ मितव्ययी बनेबाक लेल अनुभव प्राप्त करबाक उद्देश्यसँ हुनकासभसँ परामर्श कएल गेल अइछ ।
जेनजी आन्दोलनक भावनाअनुरूप चुनावी अन्तरिम सरकार गठन भ अइगला फागुन २१ गते प्रतिनिधि सभाक निर्वाचनक तिथि निर्धारण कएल गेल अइछ । तहिना, १९ सदस्य पदक लेल अइगला माघ ११ गते राष्ट्रिय सभाक निर्वाचन होबाक कार्यतालिका निर्धारण कएल गेल अइछ ।
कार्यवाहक प्रमुख निर्वाचन आयुक्त राम प्रसाद भण्डारीके अध्यक्षतामे भेल परामर्शमे आयुक्तद्वय सगुनशम्शेर जबरा आ डा. जानकी तुलाधर, पूर्वप्रमुख निर्वाचन आयुक्तसभ सूर्य प्रसाद श्रेष्ठ, नीलकण्ठ उप्रेती, दोलख बहादुर गुरुङलगायत आ आयोगक पूर्वसचिवसभ मधु रेग्मी, भरतमणि सुवेदी, सुरेश अधिकारी, रविराज पन्तलगायत सहभागी छलैन ।
परामर्श बैसारक सुरुमे आयोगक सचिव महादेव पन्थ अइसँ पहिनेके निर्वाचन व्यवस्थापनमे भेल अनुभव तथा समस्याक समाधानमे निर्वाह कएल गेल भूमिकासम्बन्धी अनुभव आदानप्रदान करबाक लेल कार्यक्रम आयोजन कएल गेल बतौलैन । निर्धारण कएल गेल समयमे निर्वाचन सम्पन्न करबाक लेल देशभैर रहल आयोगक कार्यालयसभमे खाली भेल पदमे पदपूर्ति कएल गेल जानकारी दैत ओ निर्वाचन सुरक्षाके लेल सुरक्षा सङ्गठनक बैसार बैस रहल बतौलैन ।
“अनुभव आदानप्रदानसँ निर्वाचन व्यवस्थापनमे सुधार आ नयाँ सोचसँ आगु बढ़बाक प्रेरणा देबाक कारण पूर्वपदाधिकारीके ज्ञान आ अनुभवन महत्त्वपूर्ण होइत अइछ”, ओ कहलैन, “अइगला निर्वाचन संवैधानिक दायित्व मात्रे नै भ लोकतान्त्रिक अभ्यासक आधारस्तम्भ सेहो छै ।”
आयोगमे अखनधैर १ सओ २५ दल दर्ता भेल अइछ । किछ दल दर्ताके प्रक्रियामे रहल आयोग जनौलक अइछ । चालु आर्थिक वर्षमे नयाँ तीन दल दर्ता भेल सचिव पन्थ जानकारी देलैन । (रासस)





