पदमुक्त भेली मधेश प्रदेश प्रमुख भण्डारी


काठमाण्डू । राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेल मधेश प्रदेश प्रमुख सुमित्रा सुवेदी भण्डारीके पदमुक्त कएल अइछ ।

राष्ट्रपतिको कार्यालय मंगल दिन विज्ञप्ति जारी करैत नेपाल सरकार मन्त्रिपरिषद्क मिति २०८२ कात्तिक २५ गतेक निर्णय एवं सिफारिसक आधारमे सुवेदीके पदमुक्त कएल गेल अइछ । संविधानक धारा १६५ को उपधारा (१) के खण्ड (ख) बमोजिम राष्ट्रपति मधेश प्रदेश प्रमुख सुवेदीकें पदमुक्त कएल गेल विज्ञप्तिमा उल्लेख अइछ । राष्ट्रपतिक निर्णयसंगे मधेश प्रदेशमे नव प्रदेश प्रमुख नियुक्तिके बाट खुजल अइछ ।
सोम दिन भिन्सृ बर्दिवासस्थित होटल पानसमे नेकपा (एमाले) संसदीय दलक नेता सरोजकुमार यादवके मुख्यमन्त्री नियुक्त कएल गेल छल । संविधानक धारा १६८(२) अनुसार गठबन्धनको दाबी विचार करए सकबाक स्थिति रइहतो प्रदेश प्रमुख भण्डारी उपधारा (३) क आधारमे एमाले नेता यादवके मुख्यमन्त्री नियुक्त कएने छली । उक्त नियुक्ति पश्चात मधेश प्रदेशमे राजनीतिक दल तथा प्रदेशसभा सदस्यसब विरोध जनबैत आइब रहल अइछ ।

प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली नेतृत्वक सरकार २०८० फागुन २८ गते मधेश प्रदेशक प्रदेश प्रमुखमे सिफारिस कएने छल । ओे चैत ५ गते पदभार ग्रहण कएने छली ।

ताजा खबर
लोकप्रिय