काठमाण्डू, २५ कातिकः नेपाल क्रिकेट सङ्घ (क्यान) नेपाल प्रिमियर लिग (एनपिएल)क दोसर संस्करणके खेल तालिका सार्वजनिक केलक अइछ । इएह अगहन १ गतेसँ सुरु होएबला उक्त प्रतियोगिताके खेलसभ कीर्तिपुरस्थित त्रिवि अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट रङ्गशालामे हएत ।
अगहन १ गते होएबला उद्घाटन खेलमे पहिल संस्करणके विजेता जनकपुर बोल्ट्स आ काठमाण्डू गोर्खाज बीच प्रतिस्पर्धा हएत । ई खेल दुपरह ४ बजेसँ सुरु होबाक बताओल गेल अइछ ।
प्रतियोगितामे आठटा टीम सहभागी हएत । दिनमे दूटा खेल खेलबाक तय भेल अइछ । जइमे पहिल खेल भोर ११ः४५ आ दोसर खेल दुपहर ३ः३० तथा ४ बजेसँ सुरु हएत । प्लेअफके तीनटा खेल दुपहर ४ बजेसँ सुरु हएत । अगहन २७ गतेके फाइनल खेल फ्लडलाइटमे होबाक तैयारी भ रहल क्यान जनौलक अइछ ।
जमा ३२ खेलमध्ये २३ खेल फ्लडलाइटमे खेलाओल जाएत । (रासस)





