राजधानीमे एमालेके प्रदर्शन


काठमाण्डू, ६ अगहनः नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले) आइ राजधानीमे प्रदर्शन आ र्‍याली आयोजित अइछ । काठमाण्डू केन्द्रित जनसभाक लेल आइ भृकुटीमण्डप आ अगलबगल क क्षेत्रमे एमाले प्रदर्शन केलक अइछ ।

संविधान आ लोकतन्त्रक लेल आयोजित जनसभा पार्टीके जनपरिचालनअन्तर्गतके अन्तिम चरणके रूपमे आयोजना कएल गेल उक्त पार्टीके केन्द्रीय प्रचार तथा प्रकाशन विभागक प्रमुख राजेन्द्र गौतम बतौलैन ।

पार्टीके बागमती प्रदेश कमिटीद्वारा आयोजित कार्यक्रममे प्रदर्शनी मार्गसँ रत्नपार्क परिक्रमा क भृकुटीमण्डपमे आमसभामे परिणत हएत। जनसभामे एमालेक अध्यक्ष एवम् पूर्वप्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओलीसहित सम्बोधन करथिन ।

अइसँ पहिने एमाले बितल कातिक २२ गते देशेभैरके वाडमे वाड भेला, २५ गते सब पालिकामे र्‍याली सम्पन्न कएने छल । एहिने कातिक २९ गते सब जिलामे जनसभा आयोजना कएल गेल छल ।

एमालेक प्रदर्शनके कारण उक्त क्षेत्रके ट्राफिक व्यवस्थापनमे चाप अइछ । एमाले नेता तथा कार्यकर्तासहितके र्‍यालीक कारण उक्त क्षेत्रमे सवारी सञ्चालनमे समस्या उत्पन्न भेल अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय