काठमाण्डू, ७ अगहनः दोसर संस्करणके नेपाल प्रिमियर लिग (एनपीएल) अन्तर्गत आइ विश्राम देल गेल अइछ । नेपाल क्रिकेट सङ्घ (क्यान)द्वारा सार्वजनिक कएल गेल खेलतालिका अनुसार आइ कोनो खेल नै राखल गेल अइछ ।
काइल्ह (सोमदिन) त्रिवि अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट रङ्गशाला कीर्तिपुरमे दूटा खेल होबाक कार्यतालिका अइछ । भोर ११ः४५ बजे होएबला पहिल खेलमे जनकपुर बोल्ट्स आ विराटनगर किङ्ग्स बीच प्रतिस्पर्धा हएत । तहिना, दोसर खेल दुपहर ४ः०० बजेसँ सुरु हएत । दोसर खेलमे कर्णाली याक्स आ सुदूरपश्चिम रोयल्स बीच प्रतिस्पर्धा हएत ।
अखनधैरके अङ्कतालिकाअनुसार दू–दू खेल खेलने सुदूरपश्चिम रोयल्स आ विराटनगर किङ्ग्स चाइर–चाइर अङ्कसहित पहिल आ दोसर स्थानमे अइछ । तहिना, तीन खेल खेलने काठमाण्डू गोर्खाज दू अङ्कसहित तेसर स्थानमे अइछ, तँ दूटा खेल खेलने पोखरा दूनु खेलमे पराजित होइत तालिकाके अन्तिम स्थानमे अइछ ।
अगहन १ गतेसँ सुरु भेल एनपीएलमे जनकपुर बोल्ट्स, सुदूरपश्चिम रोयल्स, कर्णाली याक्स, पोखरा एभेन्जर्स, विराटनगर किङ्ग्स, चितवन राइनोज, काठमाण्डू गोर्खाज आ लुम्बिनी लायन्ससहित आठ फ्रेन्चाइज टोली सहभागी अइछ । प्रतियोगिताके फाइनल खेल अगहन २७ गते हएत । (रासस)





