काठमाण्डू, ७ अगहनः हुलाकी सड़क योजना कार्यालय जनकपुरकेँ ६१ टा मोटरेवल पुल निर्माण करबाक जिमेवारी भेलाक बादो अखनधैर १८ टाके ठेक्का व्यवस्थापन नै भेल अइछ । हुलाकी सड़कमे पड़ैबला २२ टा पुल निर्माण सम्पन्न भ यातायात संचालनमे आएल अइछ ।
अखन २१ टा पुल निर्माणक चरणमे अइछ । पुल निर्माणक काज प्रभावकारी नै भेलासँ स्थानीयकेँ अपेक्षित लाभ हासिल नै भ सकल अइछ । आयोजनाअन्तर्गतके सड़क पक्की बनेबाक काज अन्तिम चरणमे भेलाक बादो पुल निर्माणक काज गति नै लेने अइछ । स्रोतक अभाव तथा अन्य प्राविधिक समस्याक कारण ठेक्का व्यवस्थापन होबाकमे समय लागल आयोजना जनौने अइछ ।
निर्माणक क्रममे भेल पुलकेँ जल्द सम्पन्न करबाक लेल भौतिक पूर्वाधार तथा यातायात मन्त्रालयद्वारा आवश्यक पहल कएल गेल अइछ । भौतिक पूर्वाधार तथा यातायातमन्त्री कुलमान घिसिङ सिरहा–धनुषा जोड़ैबला कमला नदीमे निर्माणाधीन समस्याग्रस्त पुल निर्माणमे तदारुकता देबाक लेल आ तीन सिफ्टमे काज करबाक लेल निर्देशन देने छैथ ।
शुक्रदिन स्थलगत निरीक्षण करैत मन्त्री घिसिङ ठेक्का सम्झौता भेल १४ वर्ष बितलाक बादो पुल मिर्नाण नै भेल, पुन नै बनलासँ नागरिकके समस्या भोगए पैररहल कहैत समस्या समाधान करबाक लेल निर्देशन देने छलैन । ओएह क्रममे मन्त्री घिसिङ हुलाकी सड़कदिसके सड़क तथा पुल निर्माणक प्रगतिके बारेमे जिज्ञासा व्यक्त करैत जल्द कार्यावंयन करबाक लेल आवश्यक निर्देशन देलैन । ठेक्का व्यवस्थापन करैबलाकेँ तत्काल प्रक्रिया आगु बढ़ाबए आ निर्माणक क्रममे भेल पुलकेँ जल्द निर्माण सम्पन्न करबाक लेल मन्त्रालय आवश्यक जिज्ञासा व्यक्त कएने अइछ ।
हुलाकी सड़क आयोजना, जनकपुर खण्डके जमा चाइर सओ तीन किलोमिटरमध्ये आब ६१ किलोमिटर खण्ड मात्रे पक्की बनेबाक बाँकी अइछ । ओइ खण्डके काज धमाधम भ रहल आ कोनो अवरोध नै भेल तँ चालु आर्थिक वर्षके अन्तिमधैर काज सम्पन्न हएत से आयोजना जनौने अइछ ।
योजना कार्यालयअन्तर्गत पूर्वपश्चिम तथा उत्तरदक्षिण क चाइर सओ तीन दशमलव ६८ किलोमिटर सड़क अइछ । जइमे दू सओ ९९ दशमलव ८० किलोमिटर नेपाल सरकारक बजेटसँ निर्माण भेल अइछ, तँ एक सओ तीन दशमलव ८८ किलोमिटर सड़क भारतीय अनुदानमे बनबाक अइछ । अखनधैर तीन सओ ४२ दशमलव ६८ किलोमिटर सड़क पक्की भ गेल योजना प्रमुख कृष्ण कुमार महतो जानकारी देलैन ।
सिरहाके बलान–कमलाधैरके सड़क (२९ दशमलव ९८ किलोमिटर) पक्की भ गेल अइछ । तँ सिरहाके जम्दह–लगड़ी गदियानी (२७ दशमलव ४६ किलोमिटर) सड़क पक्की होबाक बाँकी अइछ ।
धनुषाके कदमचौक–कपतौल–तीनकौरिया (३० दशमलव ५८ किलोमिटर) मध्ये २४ किलोमिटर सड़क पक्की भ गेल अइछ । धनुषाके यदुकुहा–खजुरी–महुवा सड़क १० किलोमिटरमध्ये छ किलोमिटर पक्की भ गेल अइछ । धनुषा आ महोत्तरीके जनकपुर–बसबिटी–हर्दी–पोखरी–भिण्डा–सङ्ग्रामपुर सड़कके २० किलोमिटरमध्ये १८ किलोमिटर पक्की भ गेल अइछ ।
सर्लाहीके एमआरएम बाँके सङ्ग्रामपुर सड़कके (२२ दशमलव ४८ किलोमिटर) मध्ये २० दशमलव ७७ किलोमिटर पक्की भ गेल अइछ । जिलाक फुलजोर त्रिभुवननगर २३ दशमलव दू किलोमिटर पूरा पक्की भ गेल अइछ । सर्लाहीके सितलपुर–मलङ्गवा–खरैइयाटोल (पूर्वपश्चिम हुलाकी) सड़कके (४० दशमलव ३७ किलोमिटर) मध्ये ३८ किलोमिटर पक्की भ गेल अइछ ।
सर्लाहीके नवलपुर–मलङ्गवा सड़कके (२६ दशमलव ५९ किलोमिटर) पक्की भ गेल अइछ । सर्लाहीके नयाँरोड–वरहथवा–मधुवनीके ४० दशमलव ५८ किलोमिटर पक्की भ गेल अइछ । सर्लाहीएके गोड़ैता–महिनाथपुर–माधोपुर–जयनगर हनैर्या खण्डके १० किलोमिटर पक्की होबाक बाँकी अइछ ।
भारतीय अनुदानदिसक धनुषा खण्डके वीरेन्द्रबजार–यदुकुहा–महिनाथपुर सड़कके (३२ दशमलव ३१ किलोमिटर)मध्ये ३१ किलोमिटर पक्की भ गेल अइछ । जनकपुर–यदुकुहा सड़कके (१६ दशमलव ६३ किलोमिटर) मध्ये १२ किलोमिटर पक्की भ गेल अइछ । माईस्थान–गौशला सम्सी सड़कके (२६ दशमलव ९४ किलोमिटर)मध्ये २६ किलोमिटर पक्की भ गेल आयोजना जनौने अइछ ।
तहिना, जलेश्वर–हर्दी सड़कके २८ किलोमिटर पक्की भ गेल अइछ । ओइ आयोजनाक लेल चालु आर्थिक वर्षके आसिन महिनाधैर सात करोड़ ९ लाख टका बराबर खर्च भेल अइछ । हुलाकी सड़क तथा पुल निर्माणक लेल ५९ करोड़ ९० लाख टका बजेट विनियोजन भेल अइछ । जमीन खरिद, सड़क विस्तारक क्रममे सड़क सीमा भीतर पड़ैबला संरचनाके क्षतिपूर्तिके लेल पाँच करोड़ बजेट विनियोजन भेलमे एक करोड़ तीन लाख ९० हजार खर्च भेल अइछ । (रासस)





