काठमाण्डू, ८ अगहनः दोसर संस्करणके नेपाल प्रिमियर लिग (एनपिएल) क्रिकेटअन्तर्गत आजुक पहिल खेलमे विराटनगर किङ्स साविक विजेता जनकपुर बोल्ट्स समक्ष जीतक लेल एक सओ ३६ रनक लक्ष्य प्रस्तुत केलक अइछ ।
कीर्तिपुरस्थित त्रिवि अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट मैदानमे टस जीत क जनकपुर फिल्डिङ करैत विराटनगरकेँ पहिने ब्याटिङ करबाक लेल निमन्त्रण देने छल । विराटनगर निर्धारित २० ओभर खेलैत सात विकेटक नोक्सानीमे एक सओ ३५ रन बनौलक ।
विराटनगरके लेल शुभम रन्जने सर्वाधिक ३७ रनक योगदान देलैन । तहिना, बसिर अहमद ३६ रन बनौलैन, तँ लोकेश बम २८, मार्टिन गुप्टिल १३ आ जर्ज मुन्से १० रनक योगदान देलैन ।
बलिङदिस जनकपुरक रूपेश सिंह आ सङ्गीथ कुरे समान दू–दू विकेट लेलैन तँ आदित्य महता एक विकेट लेलैन । अनिल साहके कप्तानीमे रहल जनकपुर आइ प्रतियोगितामे पहिल जीतक खोजीमे अइछ, तँ सन्दीप लामिछानेके कप्तानीमे रहल विराटनगर लगातार तेसर जीतक लक्ष्यमे अइछ ।
–––





