एनपिएलः नेपाली खेलाड़ीके उत्कृष्ट प्रदर्शन


विनोद सिंह विष्ट/रासस
काठमाण्डू, १० अगहनः क्रिकेटके महाकुम्भ मानल जाएबला नेपाल प्रिमियर लिग (एनपिएल) मे नेपाली खेलाड़ी उत्कृष्ट खेल प्रदर्शन क रहल अइछ । कीर्तिपुरस्थित त्रिवि अन्तर्राष्ट्रीय क्रिकेट रङ्गशालामे इएह अगहन १ गतेसँ सुरू भेल प्रतियोगितामे अखन ११ टा खेल सम्पन्न भेल अइछ ।

एघार खेलके अन्तिमधैर नेपाली खेलाड़ी उत्कृष्ट खेल प्रदर्शन क रहल प्रतिक्रिया आइब रहल छै । जम्मा ११ मध्ये चाइर खेलमे नेपाली खेलाड़ी उत्कृष्ट प्रदर्शन क अपन टिमकेँ जीता क ‘प्लेयर अफ द म्याच’ सेहो भेल छैथ ।

चाइरमध्ये पछिला तीन खेलमे लगातार रूपमे नेपाली खेलाड़ी ‘प्लेयर अफ द म्याच’ घोषित भेल छैथ । अगहन ९ गते सम्पन्न खेलमे काठमाण्डू गोर्खाजके कप्तान करण केसी ११ बलमे अविजित ३४ रन आ बलिङमे एक विकेट ल क अपन टिमकेँ जीताैलैन । लुम्बिनी लायन्सकेँ २२ रनसँ पराजित करैत ओ उक्त खेलक उत्कृष्ट खेलाड़ी करण केसी बनल ।

अगहन ८ गते भेल दोसर खेलमे कर्णाली याक्सविरुद्ध अलराउण्ड प्रदर्शन केनिहार सुदूरपश्चिम रोयल्सके कप्तान दीपेन्द्रसिंह ऐरी उत्कृष्ट खेलाड़ी चयन भेल । सुदूरपश्चिम ४छ रन विजयी भेल उक्त खेलमे दीपेन्द्र चाइर विकेट खसाबैत तथा ब्याटिङमे ३९ रनके योगदान कएने छल ।

अगहन ८ गते भेल पहिल खेलमे जनकपुर बोल्ट्सकेँ नौ रनसँ हराबैत विराटनगर किङ्सके कप्तान सन्दीप लामिछाने उत्कृष्ट भेल । चाइर विकेट ल क टिमकेँ जीताओ महत्वपूर्ण योगदान देलासँ ओ ‘प्लेयर अफ द म्याच’ घोषित भेल ।

अगहन २ गते भेल पोखरा एभेन्जर्सविरुद्ध ५३ रनसँ जीतल विराटनगरके लोकेश बम उत्कृष्ट खेलाड़ी भेल । ओ ७८ रनके पारी खेलेने छल । अइ बीच एनपिएलके पहिल खेलमे अगहन १ गते काठमाण्डू जनकपुरकेँ पाँच विकेटसँ हरेलक । जाहिमे अलराउण्ड प्रर्दशन करैत विदेशी खेलाड़ी मिलिन्द कुमार ‘प्लेयर अफ द म्याच’ भेल । ओ तीन विकेट खसाबैत तथा १९ रन बनाैने छल ।

एहिना अगहन २ गते भेल पहिल खेलमे कर्णाली याक्सकेँ चाइर विकेटसँ हराबैत चितवन राइनोजके विदेशी खेलाड़ी रवी बोपरा उत्कृष्ट भेल । ओ ५२ रन बनाबैत, एक विकेट सेहो लेने छल ।

अगहन ४ गते भेल चितवनविरुद्धके खेलमे पोखरा छ विकेटसँ जीत दर्ता केलक । जाहिमे विदेशी खेलाड़ी रुबेन ट्रपेलम्यान तीन विकेट लैत प्लेयर अफ द म्याच भेल । अगहन ५ मे सम्पन्न पोखराविरुद्धके खेलमे सुदूरपश्चिम १८ रनसँ विजयी भेल। उक्त खेलमे विदेशी खेलाड़ी जोश ब्राओ ६८ रन बनेलाक कारण उत्कृष्ट भेल छल।

अगहन ६ गते लुम्बिनीकेँ नौ विकेटसँ पराजय कएल खेलमे कर्णाली याक्सके विदेशी खेलाड़ी मार्क वाट उत्कृष्ट भेल । ओ ११४ रन, सङे एक विकेट खसाैने छल । सएह दिनक दोसर खेलमे विराटनगर काठमाण्डूकेँ पाँच विकेटसँ पराजित केलक । मर्चेन्ट डे लाङगे दू विकेट लैत प्लेयर अफ द म्याच भेल । अखनधैर सुदूरपश्चिम लगातार तीन खेल जीतैत छ अङ्कसँ तालिकाके शीर्ष स्थानमे अइछ ।

विराटनगर रनरेटके आधारमे दोसर स्थानमे अइछ । चाइरमध्ये दू खेल जीतल काठमाण्डू तेसर, तीनमध्ये एक खेल जीतल कर्णाली चारिम , दूमे एक जीतल चितवन पाँचम्, तीनमे एक जीतल लुम्बिनी छैठम्, दूमे दू हारल जनकपुर सातम् आ दूमे दू हारल पोखरा तालिकाके सबसँ नीचामे अइछ ।

व्यक्तिगत रूपमे सर्वाधिक रनकर्तामे कर्णाली याक्ससँ खेल रहल विदेशी खेलाड़ी मार्क वाट शीर्ष स्थानमे छैथ । ओ १४७ रन बनाैने छल ।

इएह बीच बलिङमे नेपाली खेलाड़ी प्रथम स्थानमे विराटनगर किङ्सके कप्तान सन्दिप लामिछाने छैथ । सात विकेट लैत प्रथम स्थानमे पहुँचल छैथ । नेपाल प्रिमियर लिग, दोसर सिजन अगहन २७ गतेधैर सञ्चालन हएत ।

ताजा खबर
लोकप्रिय