मधेश प्रदेशमे बेरोजगार युवाकेँ मासिक दू हजार भत्ता


जनकपुरधाम, १० अगहनः मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री सरोज कुमार यादव प्रदेशमे स्नातक उत्तीर्ण कएल बेरोजगार युवाकेँ मासिक बेरोजगार भत्ता देबाक निर्णय कएल गेल जानकारी देलैन अइछ ।

प्रथम मन्त्रिपरिषद् बैसारके निर्णय आइ पत्रकार सम्मेलनमार्फत सार्वजनिक करैत ओ प्रदेशमे स्नातक उत्तीर्ण कएल बेरोजगार युवाकेँ मासिक टका दू हजारके दरसँ बेरोजगार भत्ता देबाक निर्णय कएल गेल बतौलैन ।

प्रदेश सरकार १८ वर्षसँ ३५ वर्ष उमेर तकके स्नातक उत्तीर्ण क कोनो रोजगारमे नै रहल युवाकेँ जीवन निर्वाह बापत मासिक टका दू हजारके दरसँ भत्ता उपलब्ध करेबाक निर्णय केलक अइछ । प्रदेशमे स्नातक उत्तीर्ण कएल करिब एक लाख ५० हजार बेरोजगार युवा छैथ ।

बैसारमे सरकार रौदी आ डुबानसँ धानबालीमे क्षति भेनिहार किसानकेँ प्रतिकट्ठा टका एक हजार ५०० क दर राहत उपलब्ध करेबाक निर्णय भेल अइछ ।

किसानकेँ राहतमे ३६ करोड़ टका आ युवाकेँ बेरोजगार भत्तामे ३५ करोड़ खर्च होबाक अनुमान कएल गेल मुख्यमन्त्री यादव जानकारी देलैन । किसानकेँ राहतस्वरूप एक हजार ५०० टका प्रतिकट्ठा राहतस्वरूप उपलब्ध करेबाक प्रक्रियामे रहल ओ बतौलैन ।

अइ साल रौदीके चपेटामे पड़ल मधेश प्रदेशक किसानसभ बितल आसिनके अविरल वर्षासँ पुनःडुबानसँ पीडित भेल छल । मनसुन अवधिमे लम्बा समय रौदी पड़लाक बाद प्रदेश सरकार मधेश प्रदेशकेँ सुक्खाग्रस्त क्षेत्र घोषणा कएने छल । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय