एनपिएल: सुदूरपश्चिम प्लेअफके नजदीक


काठमाण्डू, ११ अगहन: राजधानीमे चइल रहल दोसर संस्करणक नेपाल प्रिमियर लिग (एनपिएल) क्रिकेटके आजुक खेलमे जीत हासिल करबाक सङे साविक उपविजेता सुदूरपश्चिम रोयल्स प्लेअफक नजदीक पहुँच गेल अइछ। सुदूरपश्चिम लुम्बिनी लायन्सपर सात विकेटक जीत निकालैत लगातार चारिम जीत दर्ज करौलक अइछ।

लुम्बिनीद्वारा जीतक लेल देल गेल १४४ रनक लक्ष्यकेँ सुदूरपश्चिम १८ दशमलव दू ओभरमे तीन विकेटक क्षतिपर पूरा केलक। आजुक खेलमे सुदूरपश्चिमक ओपनर ब्याटर विनोद भण्डारी अर्धशतकीय पारी खेलैत अविजित ६९ आ आरिफ शेख ३७ रन जोड़लैन। सुदूरपश्चिम ३९ रन जोड़ैत दू विकेट क्षतिमे विनोद आ शेख ९९ रनक साझेदारी करैत जीत देलैन। विनोद प्लेयर अफ द म्याच सेहो चुनल गेल अइछ।

अइसँ पहिने त्रिवि अन्तर्राष्ट्रीय क्रिकेट रङ्गशाला कीर्तिपुरमे टस हाइर क पहिने ब्याटिङ केनिहार लुम्बिनी १९ दशमलव चाइर ओभरमे १४३ रनपर अलआउट भेल छल। जाहिमे कप्तान रोहित पौडेल सर्वाधिक ३५ आ दिलिप नाथ ३१ रनक योगदान देलैन। बलिङ दिससँ सुदूरपश्चिमक अभिनाश बोहरा तीन, हर्मित सिंह तीन, हेमन्त धामी दू विकेट झारलैन।

दिपेन्द्रसिंह ऐरीक कप्तानीमे रहल सुदूरपश्चिम लगातार चारिम बेर जीतैत आठ अंकसँ शीर्ष स्थानमे अइछ। रोहित कुमार पौडेलक कप्तानीमे रहल लुम्बिनी चारिमेसँ मात्र एकटा खेल जीतल अइछ। दू अंक जोड़निहार लुम्बिनी अंक तालिकाक छ स्थानमे अइछ। प्लेअफमे पहुँचबाक लेल बाँकी रहल तीन खेल जीतबाक दबाव लुम्बिनीपर बइढ़ गेल अइछ। रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय