पूर्वसभामुख महरा २० लाख धरौटीमे रिहा


काठमाण्डू । उच्च अदालत पाटन भेपमार्फत सोना तस्करी कएल गेल आरोपित पूर्वसभामुख कृष्णबहादुर महराकेँ २० लाख टका धरौटीमे रिहा करबाक आदेश देल गेल अइछ ।

न्यायाधीशद्वय अर्जुनप्रसाद कोइराला आ तेजेन्द्रप्रसाद शर्मा सापकोटाके संयुक्त इजलास उक्त आदेश देल गेल अइछ । महराकेँ बितल आसिन अन्तिम सप्ताह नेपाल प्रहरीके केन्द्रीय अनुसन्धान ब्युरो (सिआइबी) गिरफ्तार कएने छल । पूर्वसभामुख महराविरुद्ध भेपमार्फत सोना तस्करीके आरोप छल ।

“तत्काल प्रमाणसभके आधारमे प्रतिवादीकेँ थुनामे राइख क मुद्दाके पुर्पक्ष करबाक चाही से अवस्था नै देखल गेलासँ अदालतसँ थुनामे राखबाक आसिन २९ गतेके आदेश नै मिल कहैत बदर कएल गेल”, उच्च अदालत पाटनद्वारा देल आदेशमे कहल गेल अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय