रमेश लम्साल/रासस
काठमाण्डू, १२ अगहनः बङ्गलादेश नेपालसँ आओर २० मेगावाट बिजुली आयात करबाक लेल सहमत भेल अइछ । नेपाल आ बङ्गलादेशक ऊर्जा सचिवस्तरीय संयुक्त निर्देशक समितिक वृहस्पैतदिन सम्पन्न भेल सातम बैसारसँ अखन निर्यात भ रहल ४० मेगावाट जलविद्युत बाहेक आओर २० मेगावाट बिजुली निर्यातके लेल आवश्यक प्रक्रिया पूरा करबाक लेल सहमति भेल अइछ ।
आवश्यक प्राविधिक तैयारी क बङ्गलादेश आओर बिजुली आयात करत से सहमति भेल बैसारमे सहभागी ऊर्जा, जलस्रोत तथा सिँचाइ मन्त्रालयके प्रवक्ता सन्दीप कुमार देव जानकारी देलैन । निर्देशक समितिक बैसार नेपालक दिससँ ऊर्जा सचिव चिरञ्जीवी चटौत आ बङ्गलादेशक दिससँ विद्युत्, ऊर्जा तथा खनिज मन्त्रालयके सचिव फर्जाना ममताजके सहअध्यक्षतामे ढाकामे सम्पन्न भेल अइछ ।
बैसारमे बुधदिन (अगहन १०) सम्पन्न संयुक्त कार्यदलक बैसारसँ कएल गेल सिफारिसके विषयमे सेहाे बातचित भेल छल । संयुक्त कार्यदलक बैसारके सहअध्यक्षता ऊर्जा मन्त्रालयके सहसचिव देव आ बङ्गलादेश सरकारक दिससँ विद्युत्, ऊर्जा तथा खनिज मन्त्रालयक अतिरिक्त सचिव केएम अलि रेजा कएने छलैन ।
निर्देशक समितिक बैसारमे विभिन्न छटा विषयमे बातचित भेल ऊर्जा मन्त्रालयके प्रवक्ता एवं सहसचिव देव जानकारी देलैन । बैसारसँ नवीकरणीय ऊर्जा, ऊर्जा दक्षता प्रवर्द्धन करबाकसम्बन्धी समझदारीपत्रमे अपन–अपन प्रक्रिया पूरा क हस्ताक्षर करबाक सहमति भेल अइछ ।
संझौताअन्तर्गत बङ्गलादेश नेपालकेँ ऊर्जा परीक्षण, विद्युतीय सवारीसाधनके चार्जिङ स्टेशन, रुफटप सोलारजेहन क्षेत्रमे प्राविधिक सहयोग प्रदान करत । तहिना, दू देश बीच क्षमता अभिवृद्धि कार्यक्रम सेहो आगु बढ़ाएल जाएत ।
वि.सं. २०८१ आसिन १७ गते नेपालसँ ४० मेगावाट बिजुली निर्यातक लेल संझौता भेल छल । ओएह संझौताके बाद भारतीय ग्रिडमार्फत बिजुली बङ्गलादेश निर्यात कएल जा रहल अइछ । नेपालक दिससँ नेपाल विद्युत् प्राधिकरण, बङ्गलादेशके दिससँ बङ्गलादेश पावर डेभलपमेन्ट बोर्ड आ भारतक दिससँ एनटिपीसी विद्युत् निगम बीच त्रिपक्षीय संझौतामे हस्ताक्षर भेल छल ।
प्राधिकरणद्वारा बङ्गलादेशकेँ छ दशमलव चाइर सेन्टमे प्रतियुनिटके हिसाबसँ बिजुली बिक्री करबाक विषयमे संझौता कएल गेल छल । ढल्केवर–मुजफ्फरपुर अन्तरदेशीय प्रसारण लाइन, भारतीय प्रसारण प्रणाली आ बहरामपुर (भारत) भेरामारा (बङ्गलादेश) अन्तरदेशीय प्रसारण लाइनसँ बिजुली प्रवाह कएल जा रहल अइछ । ओइस पहिने २०८१ जेठ ११ गते नेपाल बङ्गलादेश बीच जलस्रोत क्षेत्रमे सहकार्यक लेल स्थापित संयन्त्र, विज्ञ समितिक बैसारसँ जलस्रोत क्षेत्रके विकासमे सझिया सहकार्य करबाक सहमति भेल छल ।
वि.सं. २०८० जेठ २ गते सम्पन्न पाँचम बैसारसँ नेपालमे उत्पादित ४० मेगावाट बिजुली निर्यातक लेल विद्युत् बिक्री संझौतामे हस्ताक्षर करबाक सहमति भेल छल । प्राधिकरण भारतीय एजेन्सी एनभिभीएनकेँ बिजुली उपलब्ध करौने अइछ । एनभिभीएन कम्पनी भारतीय संरचना प्रयोग क बिजुली बङ्गलादेश पठाबैत आएल अइछ । नेपाल आ भारत बीचक पहिल अन्तरदेशीय प्रसारण लाइनसँ विद्युत् निर्यात कएल जा रहल अइछ ।
जमा चाइर सओ केभी क्षमताके प्रसारण लाइनमार्फत पठाएल गेल बिजुलीके हिसाब मुजफ्फरपुरमे राखल जाइत अइछ । मुजफ्फरपुरसँ भारतक प्रसारण लाइनमार्फत (बेहरामपुर भेरामारा) चाइर सओ केभी बिजुली बङ्गलादेश निर्यात कएल जा रहल अइछ ।
प्राधिकरण वर्षाक समयमे पाँच महिना (जुन १५ सँ १५ नोभेम्बरधैर) बङ्गलादेश बिजुली निर्यात करएजँका अइसँ पहिने संझौता कएने छल । लम्बा गृहकार्य आ बातचितक बाद नेपालक बिजुली बङ्गलादेश निर्यात करबाक संझौतामे हस्ताक्षर भेल छल ।
वि.सं. २०८० जेठ २ के ऊर्जा सचिवस्तरीय संयुक्त निर्देशक समितिक बैसारमे सुनकोशी तेस्रो जलविद्युत् आयोजनाक निर्माण आ विकासक लेल प्राधिकरण आ बङ्गलादेश पावर डेभलपमेन्ट बोर्ड बीच छ महिना भीतर संयुक्त उपक्रममे हस्ताक्षर करबाक संझौता भेल छल । ओइके बादसँ सब संयुक्त निर्देशक समितिक बैसारमे दू देश बीच सुनकोशी तेस्रो जलविद्युत् आयोजनाक बारेमे बातचित होइत आएल अइछ । अइ बेर सेहो निर्देशक समितिक बैसारमे ओइ आयोजनाके बारेमे बातचित भेल छल ।
अइ बेर सेहो बैसारक बाद जारी कएल गेल वक्तव्यमे सुनकोशी तेस्रो जलविद्युत् आयोजनाके लगानी प्रक्रियाकेँ आगु बढ़ेबाक लेल बङ्गलादेश आयोजना मूल्यङ्कनक लेल विशेषज्ञ समिति गठन आ संयुक्त उपक्रम निर्माणसम्बन्धी समझदारीकेँ जल्द निष्कर्षमे पहुँचाओत से उल्लेख अइछ ।
अइसँ पहिने दू देश बीच सहकार्यपूर्ण सहभागिताक आधारमे ओइ आयोजनाके विकास करबाक सम्बन्धमे प्राधिकरण आ बङ्गलादेशक पावर डेभलपमेन्ट बोर्ड बीच संयुक्त कम्पनी स्थापना करबाकसम्बन्धी संयुक्त उपक्रम संझौता अइगला सचिवस्तरीय संयन्त्रके बैसारसँ पहिने निर्णय करबाक सहमति भेल छल ।
नेपाल आ बङ्गलादेश बीच विद्युत् व्यापारक लेल प्रस्तावित अन्तरदेशीय प्रसारण लाइनक प्राविधिक आ आर्थिक पक्षके अध्ययन करबाक सहमति अइसँ पहिने भेल छल । तहिना, नेपालक जलविद्युत् क्षेत्रमे लगानी प्रवर्द्धनक हेतु बङ्गलादेशक निजी क्षेत्रकेँ आकर्षित करबाक लेल आवश्यक पहल करबाक सहमति सेहो भेल छल ।
तहिना, नेपाल, बङ्गलादेश आ भारत बीच विद्युत् व्यापार, अन्तरदेशीय प्रसारण लाइन निर्माणलगायत विद्युत् क्षेत्रमे सहकार्यक लेल दू पक्षीय बैसारमे त्रिपक्षीय संयन्त्र बनेबाक लेल अपना–अपना दिससँ पहल करबाक सहमति भेल छल ।
वृहस्पैत दिन सम्पन्न बैसारमे सेहो नेपाल, भारत आ बङ्गलादेश बीच ऊर्जा क्षेत्रमे सहकार्य करबाकसम्बन्धी समझदारीपत्रमे भारतक सहमति लेबाक लेल दूनु देश संयुक्त रुपमे प्रयास करत से उल्लेख अइछ ।
बङ्गलादेश सन् २०४० धैर नेपालसँ नौ हजार मेगावाट बिजुली खरिद करबाक अइसँ पहिने घोषणा क चुकल अइछ । नेपाल आ भारत बीच सेहो १० वर्षमे १० हजार बिजुली निर्यात करबाक सम्बन्धी दीर्घकालीन संझौता अइसँ पहिने भ चुकल अइछ । दू देश बीच ऊर्जा क्षेत्रमे सहकार्य करबाकसम्बन्धी दू पक्षीय समझदारीमे २०७५ सालमे हस्ताक्षर भेल छल ।
संयुक्त निर्देशक समितिक पाँचम बैसारसँ दू देश बीच विद्युत् व्यापारक लेल अन्तरदेशीय प्रसारण लाइनक संभाव्य विकल्पके अध्ययन करबाक लेल प्राविधिक टोलीकेँ निर्देशन देबाक निर्णय कएल गेल छल ।
दू देशक ऊर्जा सचिवस्तरीय संयन्त्रके पहिल बैसार २०७५ अगहन १७ आ १८ गते काठमाण्डूमे सम्पन्न भेल छल । ओएह बैसारमे नेपालक बिजुली बङ्गलादेश निर्यात करबाक लेल सहजीकरण करबाक विषयमे प्रारम्भिक परामर्श भेल छल ।
ओइसँ पहिने २०७५ साओन २५ गते तत्कालीन ऊर्जा जलस्रोत तथा सिँचाइमन्त्री वर्षमान पुन आ बङ्गलादेशक विद्युत ऊर्जा तथा खनिज स्रोत राज्यमन्त्री नसरुल हमिद बीच विद्युत् क्षेत्रमे द्विपक्षीय सहकार्य सुरुआत करबाक प्रयोजनार्थ एकटा समझदारीमे हस्ताक्षर भेल छल । ओएह समझदारीके बाद दू देशक ऊर्जा सचिवस्तरीय संयन्त्रके बैसार नियमित होइत आएल अइछ । ओइ संयन्त्रमार्फत ऊर्जा क्षेत्रके विकास, ऊर्जा सहकार्य, अइ क्षेत्रमे भेल विकासक अनुभव आदानप्रदान सेहो होइत आएल अइछ ।





