काठमाण्डू, १४ अगहनः प्रधानमन्त्री सुशीला कार्की राष्ट्रिय मुद्दामे सब पक्षकेँ एक होबाकपर जोड़ देलैन अइछ ।
प्रधानमन्त्री निवास बालुवाटारमे शैनदिन राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टीक अध्यक्ष राजेन्द्र लिङ्देन नेतृत्वके प्रतिनिधिमण्डल सङेके बातचितमे ओ राष्ट्रिय मुद्दामे सब पक्षकेँ एक होबए पड़त आ सुधारक लेल सहकार्य जरुरी भेल बतौलैन । विगतमे विभिन्न नाममे झगड़ा आ विमति राखलाक कारण बेसी क्षति भोगए पड़ल उल्लेख करैत प्रधानमन्त्री कार्की आब आओर क्षति नै होए तइ लेल सबकेँ संयमित भ क आगु बढ़बाकपर जोड़ देने हुनक प्रेस संयोजक राम बहादुर रावत जानकारी देलैन ।
ओ कहलैन, “नयाँ–नयाँ समस्या मात्रे सुनाबएसँ बेसी देशमे प्राप्त उपलब्धीकेँ जोगाबैत आगु बढ़बाक आवश्यकता छै । समस्या मात्रे देखा क नै हएत, सम्हाइर क चलु । विमतिके बात अइछ, तँ अपन मत ल क जनतासमक्ष जाउ । जनतासँ अनुमोदित भ क अपन एजेन्डा लागू करु ।”
हमरा लेल आ सरकारक लेल कियो अपन आ आन नै भेल उल्लेख करैत प्रधानमन्त्री कार्की कोनो कारणसँ केकरो विभेद नै करबाक प्रतिबद्धता व्यक्त केलैन । ओ कहलैन, “अहाँसभ आ आन कियो सुझाव देत तँ सम्मानसँ ग्रहण करब । भ्रष्टाचार प्रकरणके जमा भेल अधिकांश मुद्दा आगु बढ़ल छै । अइ मामिलामे सेहो चुप नै रहब । देशक माहोल बिगारबाक लेल बहुतो लोग लागल छै । अइमे उलझलासँ देश कहियो आगु नै भ सकत । तइ सरकार सम्हाइर क आगु बढ़तै ।”
“निर्दोष बालबालिकाके सड़कपर चलैतकाल मारल गेल छै । अइ विषयमे छानबिन आयोगक प्रतिवेदनसँ जे सिफारिस कएल जाएत, ओ कार्यावंयन हएत”, प्रधानमन्त्री कार्की कहलैन ।
सरकार चुनावमे कतबो पैसा खर्च करबाक प्रवृत्ति नियन्त्रणमे लागल बतबैत ओ स्वच्छ चुनावक लेल मितव्ययी ढङ्गसँ आगु बढ़ए राप्रपालगायत सब दलकेँ आग्रह केलैन । (रासस)





