काठमाण्डू । संसणके नेपाल प्रिमियर लिग (एनपिएल)मे साविक विजेता जनकपुर बोल्ट्स पहिल जीत दर्ता केलक अइछ । लगातार चाइर खेलमे पराजित होइत सङ्कटग्रस्त रहल जनकपुर आइ पाँचम् खेलमे पहिल जीतसँ खाता प्रारम्भ केलक अइछ ।
जनकपुर चितवन राइनोजकेँ छ विकेट पराजित करैत दू अङ्क सेहो बनेलक । अइ जीतसँ जनकपुरके गणितीय हिसाब भेलोपर ‘प्लेअफ’के रत्ति भैर आशा बढ़ल अइछ । बाँकी रहल दू खेलमे भारी अन्तरसँ जँ जीतल तँ मात्रे सम्भावना सम्भव हएत, मुदा तइयो जनकपुरकेँ प्लेअफमे जेबाक लेल अन्य टोलीके नतिजामे सेहो भर अइछ ।
आजुक जीतमे अनिल शाह ‘म्याच विनर’ बनल । ६१ रन सङे एक विकेट सेहो लेने अनिल ‘प्लेयर अफ द म्याच’ सेहो बनल । जीतलाक बाद सञ्चारकर्मीसङे बातचित करैत साह ‘प्लेअफ’के सम्भावना बाँकी रहल बतौलैन ।
“आओरो दू खेल बाँकी छै । पहिने ओकरा जीतबाक तैयारीमे छी । लगातार हारैत गेलासँ टोलीके मनोबल खसलोपर आजुक जीतसँ अगिला खेलमे सहज हएत”, ओ कहलैन, “पछिल्ला खेलमे रन ब्याटर नै चललाक बाद दबाब बढ़ैत गेल । आइ टिम ब्याक करैत काल रन सेहो हमहि बनेलाैँ से हमरा लेल खुशीके क्षण छियै ।”
पाँचम् खेलमे तेसर हरलाक बाद चितवन राइनोजके ‘प्लेअफ’के रस्ता सकेत बनैत गेल अइछ । बाँकी दू खेलमे जीतबाक दबाब बढ़ल अइछ । रासस
—





