काठमाण्डू, २२ अहगनः दोसर संस्करणके नेपाल प्रिमियर लिग (एनपिएल) मे आइ विश्राम देल गेल अइछ । लिग चरणके खेल समाप्त भेलाक बाद मैदान व्यवस्थापनक लेल आइ विश्राम देल गेल अइछ । प्रतियोगिता अन्तर्गत काइल्ह पहिल क्वालिफायर खेल हएत ।
त्रिवि अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट रङ्गशाला कीर्तिपुरमे दुपहर ४ बजेसँ होएबला खेलमे सुदूरपश्चिम रोयल्स आ विराटनगर किङ्स बीच प्रतिस्पर्धा हएत । सुदूरपश्चिम अंक तालिकाके शीर्ष आ विराटनगर दोसर स्थानमे रहि पहिल क्वालिफायर खेलबाक सुनिश्चि कएने अइछ । सुदूरपश्चिम लिग चरणके सात खेलमध्ये छ आ विराटनगर सातमध्ये पाँच खेलमे जीत हासिल कएने छल । सुदूरपश्चिम विराटनगरसँ मात्रे लिग चरणमे पराजित भेल छल । विराटनगर चितवन राइनोज आ लुम्बिनी लायन्ससँ पराजित भेल छल । (रासस)





