झापामे तीन सालमे ७५ गोटे एचआइभी सङ्क्रमितके मृत्यु


बनियानी (झापा), २२ अगहनः झापामे बितल तीन सालमे ७५ गोटे एचआइभी सङ्क्रमितके मृत्यु भेल अइछ ।

जिलामे बितल तीन सालसँ एचआइभी सङ्क्रमितके मृत्यु होबाक दर बइढ़ रहल स्वास्थ्य कार्यालय झापाके फोकल पर्सन वीरेन्द्र दास जानकारी देलैन । आर्थिक वर्ष २०७९/८० मे १७ गोटे, २०८०/८१ मे २३ गोटे आ आर्थिक वर्ष २०८१/८२ मे ३५ गोटेक मृत्यु भेल ओ बतौलैन ।

“इलाजक लेल आबैबला बेमारीमे दवाइ नै खएबाक दर शून्यमे छै”, ओ कहलैन, “मुदा, मृत्युदर बढ़ल छै ।” चालू आर्थिक वर्षके साओनसँ कातिक महिनाधैरमे २२ गोटे नयाँ एचआइभी सङ्क्रमित पुष्टि भेल अइछ । नबका एचआइभी सङ्क्रमितमध्ये चाइर गोटे दमक अस्पताल आ १८ गोटे मेची प्रादेशिक अस्पतालसँ नियमित एआरटी दवाइ सेवन क रहल अइछ ।

झापामे अखनधैर नयाँ तथा पुरान ८ सओ ६ गोटे एचआइभी सङ्क्रमित नियमित एआरटी सेवा ल रहल अइछ । जिलामे जमा एचआइभी सङ्क्रमितमध्ये १८ वर्षसँ कमके ३० गोटे बालबालिका भेल फोकल पर्सन दास बतौलैन । स्वास्थ्य कार्यालय झापा आ लवकुश आश्रमद्वारा १८ वर्षसँ कमके सङ्क्रमित बालबालिकाके प्रतिमहिना एक/एक हजार टकाके हिसाबसँ सहयोग प्रदान कएल जा रहल अइछ । नयाँ सचेतना समूह भद्रपुरमे ३० गोटे बालबालिका एआरटी सेवा ल रहल अइछ ।

झापामे आर्थिक वर्ष २०७९/८० मे नयाँ ७० गोटे आ पुरान ६ सओ ६३ गोटे, आर्थिक वर्ष २०८०/८१ मे नयाँ ७४ गोटे आ पुरान ७ सओ ५० गोटे आ आर्थिक वर्ष २०८१/८२ मे नयाँ ५६ गोटे आ पुरान ७ सओ ८४ गोटे एचआइभी सङ्क्रमित इलाजमे भेल कार्यालयके तथ्याङ्क अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय