एनपिएलमे आइ पहिल क्वालिफायरः सुदूरपश्चिम आ विराटनगर बीच प्रतिस्पर्धा


काठमाण्डू, २३ अगहनः दोसर संस्करणके नेपाल प्रिमियर लिग (एनपिएल) अन्तर्गत आइ पहिल क्वालिफायर खेल होबए लागल अइछ ।

त्रिवि अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट रङ्गशाला कीर्तिपुरमे दुपहर ४ बजेसँ सुरु होएबला खेलमे सुदूरपश्चिम रोयल्स आ विराटनगर किङ्स बीच प्रतिस्पर्धा हएत । सुदूरपश्चिम अंक तालिकाके शीर्ष आ विराटनगर दोसर स्थानमे रहि पहिल क्वालिफायर खेलबाक सुनिश्चित कएने अइछ ।

सुदूरपश्चिम लिग चरणके सात खेलमध्ये छ आ विराटनगर सातमध्ये पाँच खेलमे जीत हासिल कएने अइछ ।

आइ जीत हासिल करैबला टोली सिधे फाइनलमे स्थान बनाओत, तँ पराजित होएबला टोली इलिमिनेटर खेलत । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय