पत्रकार सुरेश रजककेँ सहिद घोषणा करबाक सरकारक निर्णय


काठमाण्डू, २३ अगहनः सरकार स्वर्गीय पत्रकार सुरेश रजककेँ सहिद घोषणा करबाक निर्णय केलक अइछ ।

बितल चैत १५ गते तीनकुने घटनामे समाचार संलनक क्रममे मृत्यु भेल रजककेँ सरकारद्वारा सहिद घोषणा करबाक निर्णय कएल गेल अइछ ।

सोमदिन भेल मन्त्रिपरिषद्क बैसारसँ ई निर्णय कएल गेल सरकारक प्रवक्ता एवं संचार तथा सूचना प्रविधिमन्त्री जगदीश खरेल जानकारी देलैन । (रासस)
Pic.Diyopost.com

ताजा खबर
लोकप्रिय