प्रधानमन्त्री कार्कीद्वारा वैदेशिक रोजगार व्यवसायक गड़बड़ी नियन्त्रणक लेल निर्देशन


काठमाण्डू, २३ अगहनः प्रधानमन्त्री सुशीला कार्की वैदेशिक रोजगार व्यवसायके गड़बड़ी नियन्त्रण करबाक लेल सम्बन्धित निकायकेँ निर्देशन देलैन अइछ ।

विदेशमे जा क दुःख पाएब, ठगी होबाक आ सरकारके उद्धार करबाक अवस्था नै आबै ओइ लेल प्रणाली स्थापित करए ओ श्रम मन्त्रालय, परराष्ट्र मन्त्रालय, कानुन मन्त्रालय आ वैदेशिक रोजगार विभागक अधिकारीसभकेँ निर्देशन देलैन ।

सोमदिन प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद् कार्यालयमे श्रम समस्याके विषयमे बातचित करबाक क्रममे प्रधानमन्त्री कार्की कुवेतमे अलपत्र भेल महिला कामदारक जल्दी उद्धार करबाक लेल सेहो कहने प्रधानमन्त्रीके निजी सचिवालय जनौलक अइछ ।

सरकारके नीति नियम बनेबाक समयमे वैदेशिक रोजगार व्यवसायी आ दलालक मात्रे लाभमे ध्यान नै द श्रमके लेल विदेश जाएबला अपना देशक नागरिकक सुरक्षाकेँ पहिल प्राथमिकतामे राखबाक चाही से प्रधानमन्त्री कार्कीके कहब छलैन ।

“म्यानपावर व्यवसायीकेँ मोटेबाक काज मात्रे नै करू । म्यानपावरकेँ सचेत करेबाक चाही । अलपत्र बनेबाक काज नै करबाक चाही”, ओ कहलैन । वैदेशिक रोजगारीमे जाएसँ पहिने सम्बन्धित देशक भाषा आ काजके अभिमुखीकरण तथा तालिम ल क मात्रे जेबाक व्यवस्थाके कड़ाके सङ लागू करबाक लेल ओ सरकारी अधिकारीसभक ध्यानाकर्षण करौलैन ।

कार्यक्रममे कानुनमन्त्री अनिल कुमार सिन्हा, संचार तथा सूचना प्रविधिमन्त्री जगदीश खरेल, मुख्यसचिव सुमन राज अर्याल, प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद् कार्यालयक सचिवद्वय राज कुमार श्रेष्ठ आ गोविन्द बहादुर कार्की, श्रम मन्त्रालयके सचिव कृष्णहरि पुष्कर, परराष्ट्र मन्त्रालयके सचिव अमृत बहादुर राई, कानुन मन्त्रालयके सचिव पाराश्वर ढुङ्गानालगायत सरकारी अधिकारीसभक उपस्थिति छलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय